18 यि बात कैहते मातर साउलके आँखसे पपरा जखा कुछो खस्लै आ तखुन्ते उ फेनो देखे लाग्लै। तब उ उइठके बप्तिस्मा लेल्कै,
महज ओइसबके मन कठोर भेलासे आइतक उ पुरन्का करारमे भेल बेबस्था परहैछै त ओइसबके बुझैबला समझ झापल रहैछै, ओहैसे उसब सत बात बुझैले नै सकैछै। आब येसु खिरिस्टमे बिस्बास कैरके मातरे उ समझ उघरैछै।
तै खातिर आब कथिले ढिला-सुस्ती करैचिही? उठ आ बप्तिस्मा ले आ येसुके नाम ल्याके आपन पापसे सुध हो।’
पतरुस ओइसबके कहल्कै, “पस्चाताप कर आ तोरौरके पापसे छमा पाबैके खातिर येसु खिरिस्टके नाममे तोरौरके सबकोइ बप्तिस्मा ले, तोरासबके पबितर आत्माके बरदान पाबबिही।
“अन्हारमे इजोत चम्के” कहैबला परमेस्वरे हमरासबके हिरदयमे इजोत चमकाइनेछै। अहैलेल परमेस्वरके महिमा महान चियै कैहके हमसब जानैचियै। साँचोके उ महिमामय ग्यानके इजोत खिरिस्टके चेहरामेछै।
तब जे-जे ओकर बातमे बिस्बास करल्कै, सेसब बप्तिस्मा लेल्कै आ ओहै दिन करिब तिन हजार लोक बिस्बासीसबके समुहमे थपेलै।
साउल भुइयासे उठलै आ आँख चियाइरके ताकल्कै त कुछो नै देखल्कै। तब ओकर साथीसब हाथ पकैरके दमस्कस सहरमे ल्यागेलै।
तब हननिया गेलै आ ओइ घरमे ढुइकके साउल उपर हाथ राइखके कहल्कै, “भाइ साउल, तोहे आबैतखिना जे परभु येसु तोरा रस्तामे दरसन देने छेलौ, ओह्या हमरा तोहर खातिर तु देखे पाबबिही आ पबितर आत्मासे भरपुर हेब्ही कैहके हमरा पठाइने छै।”
तब उ भोजन करल्कै आ ओकरमे फेनसे तागत एलै। साउल ओते कुछदिन तक दमस्कसके चेलासब सङे रहलै।
उ लोक हमर कातमे ठार भ्याके कहल्कै, ‘भाइ साउल, तोहे फेनोसे देखैबला भ्याजो।’ उ अतहेक कहैत मातर हम देखे लागलियै।