32 उ पैढ़रहल धरमसास्तरके भाग यि छेलै, “जनङ भेंरा काटैले लजाइछै, या भेंरा उन कतरैबला लग चुप रहैछै, तैहनङे उ आपन मुहसे कोनो बात नै निकाइलके चुपे बैठल रहलै।
पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखलछै, “अहाँके लेल त हमसब हरेक दिन मरैचियै। हमसब काटैके लेल तयार करल भेंरासब जखा चियै।”
तकर बिहानके युहन्ना येसुके आपन दिसन आबैत देखके कहल्कै, “देख, यि सन्सारके पाप उठाके लजाइबला परमेस्वरके थुमा चियै।
महज येसु खिरिस्टके निरदोस आ अनमोल लहुसे तोरासबके छुटकरा देनेछौ। उ सुध आ निस्खोट बैलभोगमे चरहाबैबला थुमा छेलै।
तब येसु कहल्कै, “हे पिता, अकरासबके छमा कैरदियौ, कथिलेत यीसब कथी करैछै से नै जानैछै।” तब उसब येसुके बस्तर लैले चिठा लग्याके भाग लगाइल्कै।
तब उ बडा हाकिम जबाब देल्कै, “जाबेतक हमरा कोइ नै बुझाइतै ताबे तक हम कनङके बुझबै?” तब उ फिलिपके रथमे चहैरके हमरसङे बैठु कैहके बिन्ती करल्कै।
हम जे पाबलियै ओह्या सबसे मुख बिसयके रुपमे तोरासबके सोइप देलियौ, अरथात पबितर धरमसास्तर अनुसार खिरिस्ट अपनासबके पापके खातिर मरलै।