13 सिमोन सेहो बिस्बास करल्कै आ बप्तिस्मा लेल्कै। तब उ फिलिप सङे रहेलाग्लै, फिलिपके करल चेन्हासब आ अचमके काम करैत देखके ओकरा आस्चरज लाग्लै।
परमेस्वर पावलके हाथसे अदभुत आस्चरजके कामसब करल्कै।
कथिलेत पिता बेटाके परेम करैछै आ पिता आपनेसे करलहा सबकाम बेटाके देखाइछै। पिता अहौसे बेसी महान काम बेटाके देखाइतै आ तुसब छक परबिही।
दोसर बिसरामके दिनमे परमेस्वरके बचन सुनैले सब सहरके सब लोकसब उनैटके चैलएलै।
येसु उसबके जबाफदैत कहल्कै, “हम एकटा अजगुतके काम करलियौ आ सबकोइ छक परलिही।
पथलबला जमिनमे परलाहा उसब चियै, जे परमेस्वरके बचन सुइनके खुसिसाथ गरहन करैछै महज ओकर सिर नै हैके कारन ओकरासबके बिस्बास कुछ समयके लेल मातर हैछै। परिक्छाके बखत ओकरासबके पतन हैछै।
तब बिस्बास करैबलासब यि काम करतै- उसब हमर नाममे भुतसब भगाइतै, आन भसासब बोल्तै,
यि काममे नै तोहर कोनो अधिकारे छौ नै कोनो हिस्से, कथिलेत परमेस्वरके नजरमे तोहर मन भरस्ट भेल छौ।
लोकसब ओकरा मन्दिरके सुन्दर देहरीमे भिख माङैले बैठल रहैबला एह्या चियै कैहके चिन्हल्कै, “उ कनङके चलेलाग्लै?” कैहके उसब एकदम छक परलै।
आ आपन पाप सुइकार करैत यरदन लदीमे ओकरसे बप्तिस्मा लेबे लाग्लै।