55 महज उ पबितर आत्मासे भरपुर भ्याके एकटक लग्याके स्वरग दिसन ताकल्कै, ओते उ परमेस्वरके इजोत चम्कैत आ परमेस्वरके देहनाकता येसुके ठारभेल देखल्कै।
तकरबाद परभु येसु ओइसबसङे बोइल लेलाकेबाद स्वरग दिसन उठ्यालगेलै आ परमेस्वरके देहनाकात बैठलै।
परमेस्वरके महिमाके इजोत ओकरेमे चम्कैछै आ वह्या परमेस्वरके साँचो रुप चियै। ओकरे सक्तीसाली बचनसे अकास आ पिरथिबीमे भेल सब चिजके अराइनेछै। उ लोकसबके पाप सुध करलाके बाद स्वरगमे रहैबला महिमीत परमेस्वरके दहिनाकात बैठलछै।
“अन्हारमे इजोत चम्के” कहैबला परमेस्वरे हमरासबके हिरदयमे इजोत चमकाइनेछै। अहैलेल परमेस्वरके महिमा महान चियै कैहके हमसब जानैचियै। साँचोके उ महिमामय ग्यानके इजोत खिरिस्टके चेहरामेछै।
महज स्तिफनसके बोलैत खिना पबितर आत्मा अतहेक निक बुइध देल्कै कि उसब ओकर सामने नै टिके सक्लै।
स्तिफनस परमेस्वरके किरपा आ सक्तीसे भरपुर भ्याके लोकसबके बिचमे बरका-बरका अचमके काम आ चेन्हासब देखेल्कै।
यि बिचार सुइनके सबकोइके असल लाग्लै आ सबकोइ खुसी भेलै, उसबमेसे स्तिफनस जे पबितर आत्मा आ बिस्बाससे भरपुर छेलै आ फिलिप, परखरस, निकनोर, तिमोन, परमिनास आ पहिने एन्टिओखियाके यहुदी धरम मानैबला निकोलाउसके सेहो छानल्कै।
हमसब यि बात कहैले चाहैचियै कि, अपनासबके एहेन परधान पुजारी छै, जे स्वरगके महान परमेस्वरके सिंहासनके दहिनाकात बिराजमान छै।
तब उ सबगोरे पबितर आत्मासे भरलै आ पबितर आत्माके सक्तिसे उसब आन भसासबमे बोले लाग्लै।
यसैया यि बात कहल्कै, कथिलेकी उ येसुके महिमा देखल्कै आ ओकर बारेमे बाज्लै।
तहैले हौ भाइसब, तोरासबमेसे पबितर आत्मासे भरल, असल बुइधके आ आदर पाबैबला सातटा लोक छान जकरा अपनासब यि कामके जिम्मा देबै।
उ सहर परमेस्वरके महिमासे भरल छेलै आ उ बहुमुल्य रत्न, मोती आ मनी जखा चम्कैछेलै।
जब उ परमेस्वर पितासे आदर आ महिमा पाबल्कै, तब परमेस्वर महा महिमासे एहैन आबाज एलै, “यि हमर दुलरुवा बेटा चियै, जकरसे हम बहुत खुसी चियै।”
तब पबितर आत्मासे भरपुर भ्याके पतरुस ओइसबके कहल्कै, “लोकसबके सासक आ अगुवासब,
हम ज्याके तोरासबके खातिर ठाम तयार करलाके बाद फेनो एबौ आ तोरासबके आपनलग ल्याजेबौ, तैल्याके हम जते रहैचियै ओतै तुहुसब हमरसङे रहबिही।
तब उसब चिहानके मुहमे राखलहा पथल हटाइल्कै। तब येसु उपर दिसन ताइकके कहल्कै, “हे पिता, हम अहाँके धन्यबाद दैचियै, कथिलेत अहाँ हमर बिन्ती सुनलियै।