33 जब उसब यि बातसब सुनल्कै तब महासभाके सदससब रिससे चुरभेलै आ ओइसबके मारैले चाहल्कै।
स्तिफनसके बात सुइनके महासभामे बैठल लोकसब तामससे ओकरमे दाँत किरकिराबे लाग्लै।
यि बात सुइनके उसब दुखी भेलै आ पछताबे लाग्लै, तब पतरुस आ औरो परेरितसबके उसब कहल्कै, “भाइसब, हमसब कथी करबै?”
उसब तोरासबके सभाघरसबसे निकाइल देतौ। तोरासबके उपर अहिनङो समय एतौ, जे तोरासबके जानोसे मारैबला ‘परमेस्वरके सेबा करैचियै’ कैहके सोच्तै।
“तब लोकसब तोरासबके पकैरके दुख दैकेलेल लजेतौ, तोरासबके मारतौ। तुसब हमरा बिस्बास करैके कारन सब जातीसब तोरासबके दुस्तौ।
तै खातिर चेला आपन गुरु जखा आ नोकर आपन मालिक जखा भेनाइ बहुत चियै। यदी उसब घरेके मालिकके बालजिबुल कहैछै त ओकर खानदानके औरो कि-कि नै कहतै!
“एक भाइ दोसर भाइके, बाबु आपन धियापुताके आ धियापुता आपन माँ-बाबुके बिरोधमे उठतौ आ एक-दोसरके मारे लगाइतौ।
लोकसब पावलके यि बात “हम तोरा दुर-दुर गैर-यहुदीसबके बिचमे पठाइबौ, सुनते मातर” उसब जोर-जोरसे हल्ला करैत कहेलाग्लै, “दुनियासे अकर नाम निसान मेटा दहै। कथिलेत यि जिबित रहैके योग्यके नै छै।”
तब बहौत दिन बित्लाके बाद यहुदीसब साउलके मारैके जुक्ती निकालल्कै।
हम जे बातसब कहलियौ तै बातसबमे गौरसे बिचार कर कि ‘नोकर आपन मालिकसे बरका नै हैछै।’ सन्सारके लोकसब हमरा त सतेल्कै उसब तोरोसबके सताइतौ। यदी सन्सारके लोकसब हमर बात मान्तै त, तोरोसबके बात सेहो मान्तौ।
तब धरमगुरुसब आ मुल पुजारीसब येसुके तखुन्ते पकरैले चाहल्कै, कथिलेत उसब जानैछेलै कि यि दिस्टान्त ओहैसबके बिरुधमे कहने रहै। महज उसब लोकसबसे डराबै छेलै।
यि देखके उसब खिस्यागेलै आ येसुके कथी करेपरतै कैहके आपनमे छलफल करे लाग्लै।
महज ओकर घरबला योसेफ धारमिक लोक भेलाके कारन मरियमके समाजके अगा कोनो बदनामी नै हेबे कैहके ओकरा चुपे-चाप छोरैके बिचार करल्कै।