24 जब यि बात मन्दिरके कप्तान आ मुल पुजारीसब सुनल्कै तब अइसबके नतिजा कथी हेतै कैहके परेरितसबके बारेमे दोधारमे पैरगेलै।
तब हाकिमसब कप्तानसबसङे ज्याके परेरितसबके पकैरके आनल्कै। लोकसब पथल फेकके मारत से डरसे परेरितसबके जबरजस्ती नै कैरके आनल्कै।
पतरुस आ युहन्ना लोकसबसे बात करैतरहै, तखुन्ते कुछ पुजारीसब, मन्दिरके सिपाहीसबके कप्तान आ सदुकीसब एलै।
ओइसबसङे सजाय दैके कोनो उपाय नै भेलासे डर-धम्की द्याके छोइरदेल्कै, कथिलेत जे घटना घटल छेलै ओइ घटनाके खातिर सब लोकसब परमेस्वरके परसन्सा करैतरहै।
उसब आस्चरजमे परलै आ अलमलमे पैरके एक दोसरके एहेन कहेलाग्लै, “अकर अरथ कथी चियै?”
ओहैसे फरिसीसब एक-दोसरके एहेन कहेलाग्लै, “आब तुसब कुछो करे नै सकैचिही। देख, सारा दुनिया ओकर पछा लाइग गेलछै!”
महज ओकर बिरोधमे एल्हा मुल पुजारीसब, मन्दिरके चौकिदारसब आ अगुवासबके येसु कहल्कै, “कि हम डाकु चियै, जे तुसब हमरा पकरैले लाठी आ तलबार ल्याके एलचिही?
तब उ मुल पुजारी आ मन्दिरके लठैतसब लग ज्याके येसुके कनङके पकराइबै कैहके सर-सल्लाह करल्कै।
“हमसब जहलके केबारमे निकसे तला लागल आ पहरेदारसब देहरीमे ठारभेल देखलियै, महज जब केबार खोललियै तब हमसब भितर ककरो नै देखलियै।”
तहै बखत कोइ एक गोरा आइबके कहल्कै, “सुनैचियै, जै लोकसबके अहाँसब जहलमे राखने छेलियै, उसब त मन्दिरमे ठार भ्याके लोकसबके सिक्छा दरहलछै।”