34 ओइसबके कोनो चिजके कमि नै हैछेलै, कथिलेत कतहेक गोरा जमिन आ घरके मालिक रहै, उ सब बेचके पैसा-कौरी आनै,
उसब आपन धन-सम्पती आ घरदुवार बेचके जकरा-जकरा जै-जै चिजके जरुरत परैछेलै सबके उ बाइटदैछेलै।
हम तोरासबके कहैचियौ, आपन खातिर दुनियाके धनसे सङीसाथी बना, जब उ धन ओराइतौ, तब उसब तोरासबके स्वरगमे स्वागत करतौ।”
तुसब आपन धन बेचके गरिबसबके दहै। आपन खातिर कहियो नै फाटैबला बटुवा तैयार कर। तहिनङे कहियो नास नै हैबला धन स्वरगमे जमा कर। जते चोर नै एतौ आ नै किरो लागतौ।
येसु चेलासबके कहल्कै, “जब हम तोरौरके झोरा, जुता आ पैसे बेगर पठाइने छेलियौ, कि तोरौरके कोनो चिजके अभाब भेलौ?” उसब कहल्कै, “नै भेलै।”
तब येसु ओकर दिसन ताइकके परेमसे कहल्कै, “तोहरमे एकटा औरो चिजके कमि छौ। तोहरसङे भेल्हा सब धन-सम्पती बेचके गरिबसबके बाइट दहै, तब स्वरगमे तोरा बहुत धन भेटतौ आ हमर पछा लाग।”
येसु ओकरा कहल्कै, “यदि तु साँचेके असल हैले चाहैचिही त, तोहरसङे भेल सब धन-सम्पती बेचके गरिबसबके बाइट दहै तब तोरा स्वरगमे धन मिल्तौ। तब आइबके हमर पछा लाग।”
एहेन कैरके उसब आपन लेल साँचोके धनसम्पती जम्मा करेसक्तै, जे धन आबैबला दिनके लेल ठोस जगके रुपमे काम लाग्तै। ताकि उसब उ जिबन पाबे जे जिबन सत जिबन चियै।
उ आपन जमिन बेचल पैसा परेरितसबके चरनमे राइखदेल्कै।
परमेस्वर पिताके मनपरैबला साँचोके धरम-करम एह्या चियै दुखमे परल बिधुवा आ टुगर-टापरसबके देखभाल करनाइ आ सन्सारके अधलाह बातसे अलग रहनाइ चियै।
अनङ करबिही त, खिरिस्टमे बिस्बास नै करैबला लोकसब सेहो तोरासबके आदर करतौ आ तोरासबके ककरो उपरमे भर नै परे परतौ।
अखैन तोरासबसङे बहौत छौ त, जकरा नै छै ओइसबके देनाइ असल हेतौ। तोरासबके पछा घटि-कमी भेल बखत उसब तोरासबके मदत करतौ। अहिनङ एक-दोसरमे बराबर हेब्ही।