27 “साँचोके अहाँके अभिसेक करल पबितर सेबक येसुके बिरोधमे हेरोद आ पन्तियस पिलातस दुनुगोरा आन जात आ इजराएलीसबसङे अहै सहरमे जमा भेलरहै।
तब उसब ओकरा बाइन्हके लगेलै आ बडा हाकिम पिलातसके जिमा लगादेल्कै।
आ निक करैले अहाँ आपन हाथ बरहाइत, आपन पबितर सेबक येसुके नामसे आस्चरज कामसब हैतरहे।”
येसु ओकरासबके कहल्कै, “हम मानबके बेटाके बहुत दुख काटैले परतै आ उ अगुवा, मुल पुजारीसब, धरमगुरुसबसे इन्कार हेतै, मारल जेतै आ तेसर दिनमे मरके जि उठतै।”
अपनासबके लेल अहिनङे परधान पुजारीके आबसेक्ता छै। जे पबितर, निरदोस, सुधछै। परमेस्वर ओकरा पापी लोकसबसे छुटियाके सबसे उपर स्वरगमे राखल्कै।
कनङ परमेस्वर नासरतके येसुके पबितर आत्मा आ सक्ती बिसेस रुपमे ओकरा देल्कै। उ कनङ भलाइके काम करैत गेलै, दियाबलसके सताबटमे परलहासबके निक करैत गेलै, कथिलेकी परमेस्वर ओकरसङे छेलै।
कथिलेत अहाँ हमर परानके पतालमे नै छोरबै, नै त अहाँ आपन पबितर सेबकके देह सरे देबै।
महज सिपाहीसबमेसे एक गोरे ओकर कोइखमे भला भोकल्कै आ तखुन्ते लहु आ पानी निकल्लै।
तकरबाद उसब येसुके कैयाफाके घरसे रोमी सासकके दरबारमे ल्यागेलै। ओइ बखत अनगुत भेल छेलै। असुध नै हेबे महज निस्तार पाबैनके भोज खाइले सकि कैहके उसब दरबार भितर नै गेलै।
महज हमरा त पिता आपन पबितर उदेस्य पुरा करैके लेल चुइनके अइ सन्सारमे पठाइने छै। आब ‘हम परमेस्वरके बेटा चियै’ त कनङके परमेस्वरके अपमान भेलै?
उ आपने लोकसबलग एलै, महज ओकर आपने लोकसब ओकरा सुइकार नै करल्कै।
तब येसुके पकरैबला लोकसब ओकरा अपमान करल्कै आ मार-पिट करल्कै।
“परमपरभुके आत्मा हमर उपरछै, गरिबसबके सुसमाचार सुनाइले उ हमरा अभिसेक कैरके पठाइने छै। बन्धनमे परलसबके छुटकाराके लेल, अन्हरासबके आँख देखैके लेल, अत्याचारमे परलाहासबके सोतन्तर करैके लेल,
स्वरगदुत ओकरा जबाफ देल्कै, “पबितर आत्मा तोहर उपरमे एतौ आ महान परमेस्वरके सक्तिके छाह तोहरमे परतौ। तैल्याके जल्मैबला बच्चा पबितर हेतै आ उ परमेस्वरके बेटा कहाइतै।
तहिनङे मुल पुजारीसब आ धरमगुरुवोसब येसुके गिल्ला करैत कहल्कै, “यि त लोकसबके बचेल्कै महज आपनेके बचाइले नै सकैछै।
येसु कहल्कै, “सुन, अपनासब यरुसलेम दिसन जाइचियै। ओते मानबके बेटाके मुल पुजारी आ धरमगुरुसबके जिम्मा लगेतौ। उसब ओकरा मिरतुदन्डके लेल दोसी ठहरेतै आ आनजातसबके हाथमे सोप देतै।
“ए यरुसलेमके लोकसब! तु अगमबक्तासबके मारैचिही आ परमेस्वर तोरासबलग पठेल्हासबके पथलसे मारैचिही। जनङ मुरगा आपन बच्चासबके डेन तरमे राखैछै, ओहिने हम बहुतो बेर तोहर बच्चासबके बचाइले चाहलियै, महज तु नै मानलिही।
तब येसु मुख पुजारीसब आ अगुवासबके कहल्कै, “हम तोरासबके एकटा खिसा कहैचियौ। उ खिसा सुइनके आपन आपन बिचार कहेसकैचिही। एकटा लोकके दुइ बेटा छेलै। उ लोक पहिन्का बेटा लग ज्याके कहल्कै, ‘बेटा, आइके तु अङगुर बारीमे ज्याके काम करिहे।’
ओइ बखत गालिल परदेसके सासक हेरोद येसुके करल असल कामसबके चरचा सुनल्कै।
कथिलेत पैहनिए हेरोद आपन भाइ फिलिपके घरबाली हेरोदियासके रखलाके खातिर, युहन्नाके पकैरके जहलमे ढोइकदेने रहै।
महज जब हेरोदके जलम दिन एलै तब हेरोदियासके बेटी ओकर मेजमानसबके अगारी नाइचके हेरोदके एकदम खुस करल्कै।
तकरबाद महासभाके सब सदससब उठलै आ येसुके रोमी बडाहाकिम पिलातसलग लगेलै।
तैल्याके बडा हाकिम पिलातस उसब लग बाहर आइबके पुछल्कै, “यि लोकके तुसब कथी दोस लगाबैचिही?”