23 ओतेसे छुटलाके बाद पतरुस आ युहन्ना आपन सङि-साथीसबलग एलै, मुल पुजारीसब आ अगुवासबके कहल बातसब ओइसबके सुनादेल्कै।
जहलसे निकललाके बाद पावल आ सिलास लिडियाके घरमे गेलै। ओते उसब परभुमे बिस्बास करैबला भाइ-भैयारीसब सङे भेटघाट करल्कै आ साहस द्याके ओतेसे बिदाह भेलै।
कथिलेकी जे लोक आस्चरजके कामसे निक भेल छेलै, ओकर उमेर चालिस बरिससे उपर छेलै।
जब उसब सब बात सुनल्कै, तब उसब जोरसे एके अबाजमे परमेस्वरके कहल्कै, “हे परमपरभु, जे स्वरग, पिरथिबी, समुन्दर आ ओइमे भेल सबचिज अहाँ बनेलियै।