12 “येसु बाहेक औरो कोइ दोसरमे उदार नै छै, कथिलेत हमरासबके उदार पाबैले स्वरगके निचा लोकसबके बिचमे औरो कोनो दोसर नाम नै देनेछै।”
येसु कहल्कै, “बाट, सत आ जिबन हम्ही चियै। बिना हमरसे कोइ नै पितालग पुइग सकैछै।
कथिलेत परमेस्वर जे जग बनाइनेछै उ जग येसु खिरिस्ट चियै, उ जग बाहेक कोइ नै दोसर जग बनाइले सक्तै।
जे कोइ परमेस्वरके बेटामे बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै। जे कोइ परमेस्वरके बेटाके नै मानैछै, से कोइ अनन्त जिबन नै पाबतै महज ओकर उपर परमेस्वरके करोध परतै।
तब यरुसलेमसे सुरु कैरके सब जातीसबके ओकर नाममे पस्चाताव आ पाप छमाके परचार हैलेपरतै।
उ एकटा बेटा जलमाइतौ आ तु ओकर नाम येसु राखिहे, कथिलेत उ आपन लोकसबके ओकरासबके पापसे बचाइतौ।”
आब हमसब एहैन महान मुक्तीके वास्ता नै करबै त, अपनासब कनङके दन्डसे बाच्बै? यि मुक्तीके बारेमे सबसे पहिने परभु येसु आपनेसे परचार करल्कै आ ओकर बचन सुनैबलासब अपनासबके लेल पक्का परमानित कैरदेल्कै।
जकर-जकर नाम जिबनके किताबमे लिखल नै भेटलै, ओकरासबके आइगके भठिमे फेकदेल्कै।
होसियार रह, तोरासबसङे बोलैबलाके इन्कार नै कर। यदि अइ पिरथिबीके लोकसे देल चेताबनीके इन्कार करैबला भागैले नै सक्तै त स्वरगसे चेताबनी दैबलाके इन्कार करबिही त कनङके बाचैले सकबिही?
साँचोके तुसब आपन बिस्बासमे अस्थिर आ बलगर भ्याके सुनल सुसमाचारके आसासे पछा नै हट। एह्या सुसमाचार चियै, जे सन्सारके सब लोकसबके परचार करलगेलछै। हम पावल सेहो एह्या सुसमाचार सुनाइले परमेस्वरके सेबक भेलचियै।
ओइ बखत सन्सारके सब देसके यहुदी धरमी लोकसब यरुसलेममे रहैत रहै।
“ऐ, अबराहमके कुलके धियापुता आ ओकरौरके परमेस्वरके डर मानैबला चाहे उ आने जातीके कियनै हेबै, कथिलेत यि मुक्तीके खबर परमेस्वर अपनासबके खातिर पठाइने छै।