20 आ परमेस्वर तोरासबके खातिर पैहनैयेसे छानल खिरिस्ट अरथात येसुके पठादेतौ।
देख, उ बादलमे आइबरहलछै आ हरेक लोक ओकरा देख्तै, उहोसब देख्तै जेसब ओकरा भालासे भोक्ने छेलै। सन्सारके सब जातीके लोक ओकर कारन बिलाप करतै। पक्का ओहिने हेतै। आमेन!
उ ब्यबस्था भङ करैबला लोक परकट हेतै। जकरा परभु येसु आपन मुहके एक साँसमे नास करतै। परभु येसुके आपन आगमनके चमकके तेजसे ओकरा नास करतै।
अपनासबके परभु आबैबला दिन भेलौ कहतौ त तुसब नै घबरा आ भरममे नै पर। ओइ दिनके बिसयमे कोइ अगमबानीसे, कोइ बोलिसे आ कोइ-कोइ हमरेसब जखा लिखल चिठीसे भरममे पारैले खोज्तौ तैयो बिस्बास नै करिहे।
लोकसब यि बात सुन्ते खिना येसु एकटा खिसा सुनाबे लाग्लै। तै बखत उ यरुसलेमके लग रहै, तब लोकसब परमेस्वरके राज जल्दीए आबेलागल छै से समझने रहै।
ओहिनङे बहुतो लोकके पाप छमाके लेल खिरिस्ट एकेबेर बली भेलै। उ दोसर बेर एतै त, ओइ बखत पाप छमाके लेल नै एतै, महज ओकरासबके मुक्तीके लेल एतै जेसब ओकर बाट ताकैत असियाल रहतै।
कथिलेत सन्सारके सब लोकसबके नियाइ करैके दिन उ तोइकदेने छै। ओइ दिन परमेस्वर आपनेसे छानल लोकसे सन्सारके उचित नियाय करतौ। ओइ लोकके नियाइ करैके अधिकार छै से परमान लोकसबके देबेखातिर परमेस्वर ओकरा मरलसे जियाइल्कै।”
तकरबाद मानब पुतरके सक्ती आ महामहिमासङे बादलमे आबैत उसब देख्तौ।
तकरबाद लोकसब मानबके बेटाके सक्ती आ महिमासङे बादलमे आबैत देखतै।
येसु जैतुन पहारमे बैठलबखत ओकर चेलासब आइबके चुपेसिना पुछल्कै, “गुरु जी, हमरासबके कहु यि बातसब कहिया हेतै? अपने दोसर बेर एबै से आ यि युगके अन्त हैबला चेन्हा कथी रहतै।”
कथिलेत जब मानबके बेटा आपन पिताके महिमामे स्वरगदुतसबके सङे एतै तब ओइ बखत सब लोकसबके आपन-आपन काज अनुसारके इनाम देतौ।
तै खातिर तुसब पस्चाताप कर आ आपन मन बदल जैसे तोरासबके पाप मेटाबे आ परमपरभुसे आनन्दके समय आबे,
परमेस्वर पहिनेसे आपन पबितर अगमबक्तासबके मुहसे बोलल्हा सब चिजके पुनरअस्थापन हैबला बखत नै आबेतक खिरिस्टके स्वरगमे रहेपरतै।