2 ओतेका निबासी लोकसब एकदम हमरासबके दया देखेल्कै। ओहै बखत पानी पैररहल छेलै आ जार हेबे लाग्लै, तब उसब हमरासबके लेल आइग बाइरके तापैले बोल्याके स्वागत करल्कै।
परदेसीसबके सेबा-सत्कार करैले नै बिसर, कथिलेकी अहिनङ कैरके कोइ कोइ थाहे नै पाइबके स्वरगदुतसबके अथिती सत्कार करने छै।
तैखातिर अते गिरिक या यहुदी, देहमे खतना करल आ नै करल, असभ्य, असिक्छित, दास या स्वतन्तर ककरो कोनो भेदभाव नै छै महज खिरिस्टे सब चिज चियै आ सबमे बास करैछै।
कथिलेत सभ्य हेबे या असभ्य, सिक्छित हेबे या असिक्छित, सबके सुसमाचार सुनाबैले हमरा कर लागलछै।
हम कतहेक रात नै सुइतके खुब मेहनत करलियै। हम बहौत बेर खाना बिना भुखे पियासे रहलियै आ बस्तर नै भेलासे जारसे कठुवाइलियै।
ओतेका लोकसब पावलके हाथमे साँप ओझराल देखके एकदोसरसे कहेलाग्लै, “यि लोक पक्का हतियारा चियै, अइमे कोनो संखा नै छै। समुन्दरसे त बैचके चैलएलै महज नियाय निसाफसे दुर नै रहलै।”
यदि हम ककरो भसा नै बुझैचियै त, ओकरलेल हम परदेसी जखा हेबै आ उ हमर लेल परदेसी जखा हेतै।
जे हमर छोटसे छोट चेलासबमेसे ककरो हमर चेला कैहके एक लोटा जुर पानी पियैले देतै त, हम साँचेके कहैचियै उ आपन इनाम नै गुमाइतै।”
ओकर बिहान हमसब सिदोन इलाकामे पुगलियै। युलियस पावल उपर दया देख्याके ओकर साथि-सङीसबके आपन-आपन आबसक्ताके सरसमानसब आनैले अनुमति देल्कै।
तु यहुदीसबसङे लिखल बेबस्थाछौ आ तोरासबके खतना भेलछौ तैयो तुसब बेबस्था पालन नै करैचिही महज गैर-यहुदीसब खतनो नै कैरके बेबस्था पालन करैछै त तुसब स्वतह दोसी ठहरल जेब्ही।
जार भेलाके कारन नोकरसब आ मन्दिरके पहरेदारसब ठार भ्याके आइग ताइपरहल छेलै। तैबखत पतरुसो उसबसङे आइग तापैछेलै।
पावल जरना-काठी बिछके जब घुरपर राखल्कै त उ जारनमेसे आइगके धाहसे एकटा साँप निकैल्के पावलके हाथमे ओझरागेलै।
बिस्बासमे कमजोर भेल्हा लोकसबके सुइकार कर आ उसब जे बिचार करने छै, तैमे दोस लग्याके ओइसबसङे तरक नै कर।
जे लोक सब चिज खाइछै, उ सागपात खाइबलासबके घिरना नै करे। तहिनङे सागपात खाइबलासब नै खाइबलाके दोस नै लगाबे। कथिलेत परमेस्वर दुनुके सुइकार करने छै।