11 तिन महिना माल्टामे रहलाके बाद हमसब एकटा जहादमे चरहलियै जे जहाद जार मास ओतै बिताइने छेलै। उ जहाद अलेकजेन्डरियाके सहरके छेलै आ ओहैके अगिल्का भागके “जौवा देवताके” अकार बनाएल छेलै।
ओते कप्तान युलियस अलेकजेन्डरिया सहरसे इटालिया देसमे जाइबला जहाद भेटलै आ उ हमरासबके ओहै जहादमे चरहादेल्कै।
तैखातिर मुरुतिके चरह्याल खाइले मिलैछै कि नै मिलैछै तैके बारेमे हमसब जानैचियै कि, सन्सारके मुरती किछो नै चियै आ एक मातरे परमेस्वर बाहेक औरो कोइ नै छै।
महज कतहेक यहुदीसब जे “स्वतन्तर-दल” कहाइबला सभाघरसबके आ कुरेनी, अलेकजेन्डरिया, किलिकिया आ एसियाके लोकसब रहै, उसब स्तिफनसके बिरोधमे खरा भ्याके ओकरसङे बताबती करे लाग्लै।
जब उसब पुरे टपुके यातरा करैत पाफोस सहरमे पहुचलै, तब ओते उसब एकटा बारयेसु नामके यहुदी जादुगरके भेटलै। उ झुठ बाइजके आपनके परमेस्वरके अगमबक्ता चियौ कहैछेलै।
उ सब बहौत तरहसे हमरासबके सेबा सत्कार करल्कै आ जब जहाद चरहे लागलियै तब उसब हमरासबके जरुरत परैबला सरसमानसब आइनके जहादमे राइख देल्कै।
हमसब सुराकुसाइ इलाकामे पुइगके तिन दिन ओतै रहलियै।