2 हमसब एन्डरामिटेनोससे एसिया परदेसके समुन्दर काते-काते परैबला सहरसब हैत जाइबला जहादमे चहैरके यातरा सुरु करलियै। अरिस्तारखस नाम भेल्हा थेसलोनिके इलाकाके एक गोरे माकेडोनि हमरासबकेसङे सेहो छेलै।
तब पुरे सहरमे हुलदङा मच्लै आ उसब एकमत भ्याके पावलके सहकरमी माकेडोनिया बासि गायस आ अरिस्तारखसके पकैरके रङसालामे घिस्याइते ल्यागेलै।
ओहिनङे कैरके हमरसङे काम करैबला मरकुस, अरिस्तारखस, डेमास आ लुका सेहो गोरलगी पठाइनेछौ।
हमरे सङे जहलमे रहलहा अरिस्तारखस तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ। बरनाबासके नातामे परैबला मरकुस सेहो गोरलगी पठाइनेछौ। ओकर बारेमे पहिने हम तोरासबके कैहदेनेचियौ, उ एतौ त असलसे स्वागत करिहे।
जब हमसब रोममे ढुकलियै, तब पावलके एक गोरा सिपाहीके रेखदेखमे असगरे रहैके अनुमति भेटलै।
हमसब सुराकुसाइ इलाकामे पुइगके तिन दिन ओतै रहलियै।
उ सब बहौत तरहसे हमरासबके सेबा सत्कार करल्कै आ जब जहाद चरहे लागलियै तब उसब हमरासबके जरुरत परैबला सरसमानसब आइनके जहादमे राइख देल्कै।
ओतेका निबासी लोकसब एकदम हमरासबके दया देखेल्कै। ओहै बखत पानी पैररहल छेलै आ जार हेबे लाग्लै, तब उसब हमरासबके लेल आइग बाइरके तापैले बोल्याके स्वागत करल्कै।
जब जाइबला समय आइबगेलै तब हमसब बिदा भ्याके आपन रस्तामे अगा बरहलियै। चेलासब आपन घरबाली आ बाल-बच्चाकेसङे हमरासबके अरियातैले नगर बाहरतक एलै। हमसब समुन्दरके पखामे ठेङहुनिया द्याके परथना करलियै।
ओइसबमेसे बहुतो गोरे, जेसब जादु-मन्तर, टुनामुना करैछेलै, आपन-आपन किताबसब जम्मा कैरके आनल्कै आ सबके अगामे जरादेल्कै। जब ओकर मोल अनुमान करल्कै त पचास हजार चानीके टका बराबर भेलै।
पावल आ सिलास अम्फिपोलिस आ अपोल्लोनिया सहरके बाट हैत थेसलोनिके सहरमे एलै। ओते एकटा यहुदीसबके सभाघर छेलै।
उ पावल आ हमरासबके पछा आइबके चिच्याबे लाग्लै, “यीसब सबसे महान परमेस्वरके सेबकसब चियै। यीसब, ‘कनङ तोरौरके उदार पाबबिही’ से बात तोरौरके कहतौ।”
हमसब त पारथीसब, मादीसब आ एलामीसब, मेसोपोटामियाके, यहुदियाके, कापाडोकियाके, पोन्टस आ एसियाके बासिसब चियै।
एक दिन येसु आपन चेलासबसङे नाहमे चहरलै आ येसु ओकरासबके कहल्कै, “नाह झिलके ओइपार ल्याचल।” तब उसब नाहमे चहैरके गेलै।