1 जब हमसब पानी जहादसे इटालिया देस जाइले निरनय भेलै तब उबस पावलके औरो कैदीसबसङे समराट अगस्तसके सेनाके कप्तान युलियसके जिमा लग्यादेल्कै।
महज हम यि लोक मिरतुदन्ड पाबैके कोनो दोस नै भेटलियै। तब उ आपने रोमी समराट कैसर लग जाइले बिन्ती करलाके कारन हम ओकरा कैसर लग पठाबैके निरनय करलियै।
तब फेस्तस आपन सलाहकारसबसे छलफल कैरके जबाफ देल्कै, “तु बडा-हाकिम लग जाइले बिन्ती करलिही, तै खातिर हम तोरा ओकरलग पठाइचियौ।”
कैसरियामे करनेलियस नामके एकटा लोक रहै, जे रोमी सेनामे इटालिया पल्टनके कप्तान रहै।
महज सेनाके कप्तान पावलके बात नै माइनके जहाद चलाबैबला आ जहादके मालिकके बातमे बेसीसे बिस्बास करल्कै।
ओते उ अकिलास नामके एक गोरा यहुदीके भेटलै। ओकर जलम पोन्टस इलाकामे भेलरहै। उ हाल-साले आपन घरबाली पिरिस्किलासङे इटालिया देससे एल रहै। कथिलेत रोमके रजा क्लौडियस सब यहुदीसबके रोम सहरसे निक्लैके हुकुम देल्कै तब पावल ओइसबके भेटैले गेलै।
मन्डलीके सब अगुवा आ सब परभुके जनसबके हमरासबके तरफसे गोरलगी सुनादहै। इटालिया देसमे भेल्हा भाइसब तोरासबके सेहो गोरलगी पठाइनेछौ।
जब हमसब रोममे ढुकलियै, तब पावलके एक गोरा सिपाहीके रेखदेखमे असगरे रहैके अनुमति भेटलै।
महज सैनिकके कप्तान पावलके बचाइले चाहैछेलै। तहै खातिर उ ककरो मारैले नै देल्कै। उ आग्या करल्कै कि जकरा सबके पैरी मारैले आबैछै उसब पहिने जहादसे पानीमे कुइदके पौरैत-पौरैत पखामे निकैल जाय।
ओते कप्तान युलियस अलेकजेन्डरिया सहरसे इटालिया देसमे जाइबला जहाद भेटलै आ उ हमरासबके ओहै जहादमे चरहादेल्कै।
अतबे कैहके फेलिक्स पावलके कुछ स्वतन्तरसङे पहरामे राखिहे आ ओकर सङिसबके आबसेक्ता पुरा करैले नै रोकिहे कैहके कप्तानके आदेस देल्कै।
तखुन्ते पावल एकटा कप्तानके बोल्याके कहल्कै, “यि छौराके सेनापती लग पुगादहै, कथिलेत उ ओकरा कुछो कहैले चाहैछै।”
ओहै रात परभु पावलके लगमे खरा भ्याके कहल्कै, “पावल, साहस कर! कथिलेत जहिना यरुसलेममे हमर बारेमे गबाही देने छेल्ही तहिना तोरा रोममे सेहो गबाही दैले परतौ।”
कप्तान यि बात सुइनके सेनापती लग ज्याके कहल्कै, “अहाँ यि कथी करैचियै? यि लोक त रोमी नागरिक चियै!”
तब उ सेनापती तुरन्ते आपन कुछ सिपाही आ कप्तानसबके आपन सङमे लेल्कै आ दौरते लोकसबके भिर दिसन गेलै। लोकसब जब सेनापती आ ओकर सैनिक आ कप्तानसबके देखल्कै तब देखैत मातर पावलके मारपिट करैले छोइरदेल्कै।
तकरबाद पावल पबितर आत्माके अगुवाइमे माकेडोनिया आ अखैया इलाका हैत यरुसलेम जाइके निरनय करल्कै। उ कहल्कै, “ओते पुग्लाकेबाद हमरा रोम सहरमे जाइए परतै।”
जब पावलके यि दरसन भेलै, तुरन्ते हमरौरके माकेडोनिया जाइले तैयार भेलियै। कथिलेत हमरौरके थाह भेलै कि ओतेका लोकसबके सुसमाचार परचार करैले परमेस्वर हमरौरके बोलाइनेछै।
उसब जबाब देल्कै, “हमरासबके कप्तान करनेलियस पठाइनेछै। उ धरमी आ परमेस्वरके डर मानैबला लोक चियै। ओकरा यहुदियो जातीसब आदर करैछै। एकटा स्वरगदुतसे आदेस मिलल छै जे तोरा आपने घरमे बजाके तोहरसे उपदेस सुन्तौ।”
यि सब घटनासब देखके सैनिकसबके कप्तान एहेन कैहके परमेस्वरके महिमा करल्कै, “साँचोके यि लोक धरमी रहै।”
ओते रोमी कप्तानके एक गोरे पिरिय नोकर बिमारसे मरे लागल छेलै।
रोमी कप्तान आ ओकरजरे येसुके ओगरैबला सिपाहीसब भुमकौन आ यि घटनासब देखके बहौत डेरेलै आ कैह उठलै कि, “साँचोके यि त परमेस्वरके बेटा रहै।”
जब हमसब पखा दिसन पुगलियै तब हमरासबके मालुम भेलै कि यि टपुके नाम माल्टा चियै।