6 परमेस्वर हमरसबके पितापुरखाके करल परतिग्यामे हम आसा राखलाके कारन आइ हम अहाँके अगा ठरा भेलचियै।
हम्हु उसब जखा परमेस्वरमे धरमी आ अधरमी दुनु मरलाके बाद फेनो जिबित हेतै तैमे आसा राखैचियै।
अकर सङे-सङे, अपनासब आसा करल बात पुरा हैबला दिनके रस्ता ताकैचियै, उ दिन अपनासबके महान परमेस्वर आ मुक्ती दैबला येसु खिरिस्ट आपन महिमामे परकट हेतै।
इजराएलीसबके आसा करल मुक्ती दैबला रजाके लेल हम अनङके झिझिरसे बान्हल गेल छी। यि बात बुझाबैले आ अहाँसबसे भेट कैरके बातचित करैले बोलेलियै।”
हम तोरासबके यि बात कहैचियौ कि, परमेस्वर यहुदीसबके पिता-पुरखासबसङे करल परतिग्या सत छै से देखाबैले खिरिस्ट यहुदीसबके सेबक बन्लै।
जब पावल ओइ महासभामे सदुकी आ फरिसी दलके लोकसब छै से थाह पाबल्कै तब जोरसे कहल्कै, “हौ भाइ-भैयारीसब, हम फरिसीके बेटा फरिसीये चियै। मरल लोकसब फेनो जिबित हैछै तैमे बिस्बास करलाके कारन हमर यि उपर मुदा चैल रहल छै।”
महज परमेस्वरके देल समय पुरा भेलाके बाद आपन बेटाके पठाइल्कै। उ जनिके कोखसे जलमलै आ बेबस्थाके अधिनमे जलमल छेलै।
परमेस्वर मरलहासबके जियाइछै तै बातमे अहाँसब कथिले बिस्बास नै करैचियै?
केबल एकटा बातके मातरे दोस लगाइले सकैछै, कि हम उसबके बिचमे जोरसे कहने छेलियै ‘मरलसब फेनो जिबित हैछै तकर बिसयमे आइ हमर मुदा चैलरहल छै।’”
“अहिनङे सामुएलसे ल्याके पाछेके सब अगमबक्तासब बोलल छै। उ सबकोइ अहै दिनसबके भबिसबानी करने छै।