23 खिरिस्टके दुख भोगैये परतै आ उ मरलहासबमेसे जिबित भ्याके उठैबला पहिन्का भ्याके उ यहुदी आ गैर-यहुदीके इजोतके सन्देस सुनेतै।”
कि खिरिस्टके यि सब दुख काइटके आपन महिमाके खातिर जाइसे पहिने जरुरी नै छेलै त?”
बिस्बास योग्य साक्छी आ मिरतुसे सबसे पहिन्का बेर जिबित भेल सन्सारके रजा सबके रजा, येसु खिरिस्टके तरफसे तोरासबके अनुगरह आ सान्ती मिले। उ अपनासबके परेम करैछै आ आपन लहुसे अपनासबके पापसे छुटकरा देनेछै।
मन्डली खिरिस्टके देह चियै आ उ ओकर सिर चियै। लया जिबन दैबला उहे चियै कथिलेत मरलसे जिबित हैबलामेसे उ सबसे जेठ चियै आ उहे सब बातमे अधिकार करैछै।
परमेस्वर आपने महिमाके लेल सब चिज सिरिस्टी करल्कै। उ आपन बहुतो धियापुतासबके महिमामे लाबैके इक्छा करैके कारन उ ओइसबके मुक्ती दैबला खिरिस्टके कस्ट दुवारा सिध बनाबैके ओकर लेल उचित छेलै।
हम जे पाबलियै ओह्या सबसे मुख बिसयके रुपमे तोरासबके सोइप देलियौ, अरथात पबितर धरमसास्तर अनुसार खिरिस्ट अपनासबके पापके खातिर मरलै।
औरो जात जातीसबके रस्ता देखाइले इजोत देने चियै आ अहाँ इजराएलके सब लोकसबके लेल महिमाके इजोत चियै।”
कोइने हमर परान हमरासे लैले सक्तै, महज हम आपने राजिखुसीसे दैचियै। आपन परान दैके अधिकार हमरेसङे छै आ फेनो ओकरा लैयोके अधिकार छै। एह्या आग्या हम आपन पितासे पाबनेचियै।”
तु ओकरासबके आँख खोइलके अन्हारसे इजोतमे आ सैतानके बन्धनसे परमेस्वर दिसन घुमाबे। जैसे उसब हमरमे बिस्बास करे आ ओकरसबके पाप छमा भ्याजाय आ परमेस्वरके पबितर करल लोकसब रहल ठाममे रहे पाबे।’
परमेस्वर मरलहासबके जियाइछै तै बातमे अहाँसब कथिले बिस्बास नै करैचियै?
उ येसुके फेनो कहियो नै मरेपरतै तनङके जिएल्कै तै बातमे परमेस्वर अनङ कहनेछै- ‘पबितर आ अटल आसिसके बचन जे दाउदके देलगेल छेलै, से हम तोरासबमे पुरा करबौ।’
तहिनङ येसुके दुख काटे परतै कैहके परमेस्वर अगमबक्ताके मुहसे करल अगमबानी पुरा करल्कै।
तब येसु ओकरा कहल्कै, “पुनरुथान आ जिबन हम्ही चियै। जे हमरा बिस्बास करतै, उ मरबो करतै त जिबित हेतै।
आ उसबके कहल्कै, “पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, मुक्ती दैबला खिरिस्टके दुख भोग्नाइ आ तेसर दिनमे जिके उठनाइ जरुरी छै,
उसब चिहानसे बाहर आइबके जब येसु मुरदासे जिबित भेलै तब उसब पबितर सहरमे गेलै आ बहुतो लोकसबके देखाइ देल्कै।
मानबके बेटाके समबन्धमे जे धरमसास्तरमे लिखल छै, तहिने ओकरा जाही परतै, महज धिक्कार छै ओइ लोकके जे मानबके बेटाके पकराइतै। उ लोक जलम नै लेने रहतियै त ओकरलेल असल हेतियै।
“अहिनङे सामुएलसे ल्याके पाछेके सब अगमबक्तासब बोलल छै। उ सबकोइ अहै दिनसबके भबिसबानी करने छै।
सैतान, जे अइ सन्सारके देबता चियै से महिमीत सुसमाचारके इजोतके नै देखे कैहके खिरिस्टमे बिस्बास नै करैबला लोकसबके बुझैबला सक्तीके आन्हर बन्यादेनेछै।