2 ओते मुल पुजारीसब आ यहुदी अगुवासब पावलके बिरोधमे दोस लगाइल्कै,
जब हम यरुसलेम गेलछेलियै तब मुल पुजारीसब आ औरो यहुदी अगुवासब ओकर बिरोधमे दोस लगाइने रहै आ ओकरा दन्ड देबे परतै कैहके बिन्ती करने छेलै।
पाँच दिनके बाद परधान पुजारी हननिया, कुछ अगुवासब आ तरतुल्लस नामके एकटा ओकिलके ल्याके कैसरिया सङे ओते एलै। तब उसब पावलके बिरोधमे हाकिमके अगा आरोप लगाइल्कै।
फेस्तस कहल्कै, “रजा अगरिपास आ उपस्थित भेल भलादमी लोकसब, अहाँसब यि लोकके देखैचियै कि, अकर बारेमे यरुसलेममे आ अतौ सब यहुदी जातीसब ‘आबसे यि लोक जिबित रहैके योग्यके नै चियै’ कैहके जोरसे हल्ला करैत माङ करने छेलै।
तिन दिनके बाद पावल रोमके यहुदी अगुवासबके बोलाइल्कै। जब उसब एक ठाम जमा भेलै ओइसबके कहल्कै, “हौ दाजु-भाइसब, हम त आपन जातके लोकसबके आ पितापुरखाके रितिरिबाजके बिरोधमे कुछो नै कैलाके बादो यरुसलेमके यहुदी दाजु-भाइसब बन्दी बनाके रोमीसबके हाथमे सौप देलक।
गैर-यहुदीसबके मुक्तीके सन्देस सुनाइबला हमरासबके काममे उसब बाधा पुगेल्कै। एहेन कैरके उसब आपन पापके घरा भैरलेल्कै। आखिरमे परमेस्वरके करोध ओइसबके उपर परलै।