18 एह्या काम कैरते-कैरते उसब हमरा मन्दिरमे देखल्कै। तखैन हम सुध हैबला बिधी पुरा कैरलेने छेलियै। ओते कोनो किसिमके भिर-भार आ हो-हल्लो नै छेलै।
तहिलेल यहुदीसब हमरा मन्दिरमे पकैरके मारैले कोसिस करल्कै।
हमरा दोस लगाइबलासब नै त कोनो लोकसङे झगरा करैत देखल्कै, नै त मन्दिरमे, नै त सभाघरमे या सहरमे लोकसबके बहकाइत देखल्कै।
हमसब त पारथीसब, मादीसब आ एलामीसब, मेसोपोटामियाके, यहुदियाके, कापाडोकियाके, पोन्टस आ एसियाके बासिसब चियै।
महज कतहेक यहुदीसब जे “स्वतन्तर-दल” कहाइबला सभाघरसबके आ कुरेनी, अलेकजेन्डरिया, किलिकिया आ एसियाके लोकसब रहै, उसब स्तिफनसके बिरोधमे खरा भ्याके ओकरसङे बताबती करे लाग्लै।
ओकरासबके लाइबके अहुँ ओकरेसबसङे सुध हेबु आ ओकरासबके लागैबला खरच अहि भैर दियौ आ उसब आपन केस कटाबे। अहिनङ अहाँके बेबस्था मानैत देखके अहाँमे लग्याल दोस सब झुठे चियै से कैहके सबकोइ थाह पाबतै।
अहाँ हमरा कथिले पुछैचियै? ओकरासबसे पुछु, जे हमर कहल बातसब सुन्नेछै। ओकरासबके हमर कहल बातसब थाहछै।”