1 पाँच दिनके बाद परधान पुजारी हननिया, कुछ अगुवासब आ तरतुल्लस नामके एकटा ओकिलके ल्याके कैसरिया सङे ओते एलै। तब उसब पावलके बिरोधमे हाकिमके अगा आरोप लगाइल्कै।
हम यरुसलेममे परमेस्वरके आराधना करैले एल बारह दिनसे बेसियो नै भेल छै। अहाँ यि बात आपनोसे पता लगाबे सकैचियै।
यि बात सुइनके परधान पुजारी हननिया ओकर लगमे ठारभेल लोकसबके आदेस दैत कहल्कै, “पावलके मुहमे थापर लगा।”
ओते मुल पुजारीसब आ यहुदी अगुवासब पावलके बिरोधमे दोस लगाइल्कै,
उ कहल्कै, “तोरा आरोप लगाइबलासब एतौ तब मातरे हम तोहर बात सुन्बौ।” तकरबाद उ पावलके हेरोदके दरबारमे पहरा द्याके राखैले आदेस देल्कै।
जब हमरा यि लोकके मारैके योजनाके बारेमे थाह भेलै तब तुरन्त अकरा अहाँके लग पठाइलियै। तब अकरा दोसो लगाइबलासबके अहाँके अगा बयान दैले आदेस करनेचियै।”
पावलोके लेल घोराके बन्दोबस करिहे आ ओकरा सुरक्छित साथ बडा-हाकिम फेलिक्स लग पहुचादैहिए।”
जब सतमा दिन पुरा हेबे लागल रहै। तब एसिया परदेससे एल कुछ यहुदीसब पावलके मन्दिरमे देखल्कै तखुन्ते उसब लोकसबके भिरके भरकाइल्कै आ पावलके पकरल्कै।
हमर सिक्छा आ परचार घत लागैबला बुइधके बरका-बरका बातसब नै बाजलियै, महज पबितर आत्माके सक्तीके सबुत द्याके हम परचार करलियै,
हे हमर भाइ-भैयासब, हम तोरासबके लग परमेस्वरके बारेमे गबाही दैले आबैतखिना बरका-बरका बातसब आ बुइधके धाख नै देखेलियौ।
जब हम यरुसलेम गेलछेलियै तब मुल पुजारीसब आ औरो यहुदी अगुवासब ओकर बिरोधमे दोस लगाइने रहै आ ओकरा दन्ड देबे परतै कैहके बिन्ती करने छेलै।
तब तोकलहा दिनमे रजा हेरोद राजकिय बस्तर पिन्हके आपन सिंहासनमे बैठलै आ भासन देल्कै।
जब उसब कैसरियामे पुग्लै तब बडा हाकिमके पतर सङे पावलके ओकर जिमामे सोइप देल्कै।
तब पावलके बोलाइल्कै आ तरतुल्लस ओकरा आरोप लगाइले लाग्लै, “माननिय फेलिक्स, अहैके कारन हमसब अतहेक बरिससे सान्तीसे बैठे सकल चियै आ यि देसमे अहाँके बुइधसे बहुतो सुधारके कामसब भेल छै।