7 पावलके एहेन बात सुइनके फरिसीसब आ सदुकीसबमे मनमोटाब भेलै आ सभा फुइट गेलै।
महज सहरके लोकसब दुइटा गुटमे बाँटल गेलै। कुछ लोक यहुदी दिसन त कुछ लोक परेरितसब दिसन भेलै।
“हम पिरथिबीमे सान्ती दैले एलचियौ से कैहके तुसब नै सोच। हम सान्ती दैले नै महज तलबार चलाइले एलचियौ।
जब पावल ओइ महासभामे सदुकी आ फरिसी दलके लोकसब छै से थाह पाबल्कै तब जोरसे कहल्कै, “हौ भाइ-भैयारीसब, हम फरिसीके बेटा फरिसीये चियै। मरल लोकसब फेनो जिबित हैछै तैमे बिस्बास करलाके कारन हमर यि उपर मुदा चैल रहल छै।”
(कथिलेत सदुकीसब मरल लोकसब फेनो जिबित हैछै, स्वरगदुतसब आ आत्मासब छै कैहके बिस्बास नै करैछेलै महज फरिसीसब यि बातमे बिस्बास करैछेलै।)