20 उ जबाफ देल्कै, “बिहान यहुदीसब पावलके बारेमे सोधखोज करैके बहानामे महासभामे आनैले अहाँसङे बिन्ती करैले मेल करने छै।
तब पावल महासभा दिसन एकटक लग्याके ताकल्कै आ कहल्कै, “हौ भैयारीसब, हम आपन सुध मनसे परमेस्वरके नजरमे आइके दिनतक निरदोस जिबन बिताइने चियै।”
तकर बिहानके यहुदीसब पावलके कथिले दोस लगारहलछै, से बातके पता लगाइले सेनापती चाहैछेलै। तै खातिर उ मुल पुजारी आ महासभाके सब सदससबके बोल्याके जम्मा हैले आदेस देल्कै आ पावलके लज्याके सबके अगा ठार करल्कै।
जब पावल ओइ महासभामे सदुकी आ फरिसी दलके लोकसब छै से थाह पाबल्कै तब जोरसे कहल्कै, “हौ भाइ-भैयारीसब, हम फरिसीके बेटा फरिसीये चियै। मरल लोकसब फेनो जिबित हैछै तैमे बिस्बास करलाके कारन हमर यि उपर मुदा चैल रहल छै।”
तब सेनापती उ छौराके हाथ पकैरके एक कातमे लज्याके पुछल्कै, “तु हमरा कथी कहैले चाहैचिही?”
जब हमरा यि लोकके मारैके योजनाके बारेमे थाह भेलै तब तुरन्त अकरा अहाँके लग पठाइलियै। तब अकरा दोसो लगाइबलासबके अहाँके अगा बयान दैले आदेस करनेचियै।”