15 तै खातिर अहाँसब आ महासभा मिलके सेनापतीके निबेदन करु कि, ओकर मुदाके निरनय औरो निकसे करे परतै कैहके बहाना बनाके ओकरा अते आन। तब अते उ आबैसे पहिने हमसब ओकरा जानसे माइर देबै।”
तकर बिहानके यहुदीसब पावलके कथिले दोस लगारहलछै, से बातके पता लगाइले सेनापती चाहैछेलै। तै खातिर उ मुल पुजारी आ महासभाके सब सदससबके बोल्याके जम्मा हैले आदेस देल्कै आ पावलके लज्याके सबके अगा ठार करल्कै।
आ पावलके यरुसलेम पठादिय कैहके बिन्ती करल्कै, कथिलेत उसब पावलके रस्तेमे मारैके योजना बनाइने रहै।
तकरबाद सिपाहीसब आ ओकर कप्तान यहुदीसबके पहरेदारसब येसुके पकैरके उल्टा बान्ह बानहल्कै।
तब पावल महासभा दिसन एकटक लग्याके ताकल्कै आ कहल्कै, “हौ भैयारीसब, हम आपन सुध मनसे परमेस्वरके नजरमे आइके दिनतक निरदोस जिबन बिताइने चियै।”
जब पावल ओइ महासभामे सदुकी आ फरिसी दलके लोकसब छै से थाह पाबल्कै तब जोरसे कहल्कै, “हौ भाइ-भैयारीसब, हम फरिसीके बेटा फरिसीये चियै। मरल लोकसब फेनो जिबित हैछै तैमे बिस्बास करलाके कारन हमर यि उपर मुदा चैल रहल छै।”