10 जब ओइसबमे मतभेद बरहैत गेलै तब सेनापती डेरागेलै जे पावलके उसब टुकरा-टुकरा कैर नै दै। तैल्याके उ सैनिकसबके निचा ज्याके पावलके ओइसबके बिचसे जबरजस्तीसे गढ़मे लजाइले आग्या करल्कै।
महज यदि तोरासबके मनमे जरनी आ स्वारथ छौ त आपन बुइधमे घमन्ड नै कर आ सतके झुठ नै बना।
हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, यि बात तोरौरके जान। सुनैमे जल्दी, बाजैमे अस्थिर, तामसमे कम हैलेपरतै।
तब यि देखके सेनापती पावलके भितर लगेलै आ कोरासे मारैके आदेस दैत कहल्कै, “अकरा कोरासे माइर-माइरके पुछ तब यहुदीसब कथिले खिस्याल छेलै से पता लागतौ।”
तब बिहान भेने पावलके घोरसबार सैनिकसबके अगा दिसन सङे जाइले ओइसबके छोइरके सैनिकसब गढ़मे घुइमके गेलै।
यहुदीसब यि लोकके पकरने छेलै आ ओकरा मारैले खोजल्कै। महज जब हम सैनिकसबजरे ओते गेलियै तब हम यि लोक रोमी नागरिक चियै से थाह पाबलियै आ हम ओकरा छोराके आनलियै।
जब पावलके भैगना यि योजनाके बारेमे थाह पाबल्कै तब गढ़मे ज्याके पावलके सुन्यादेल्कै।
जब सिपाहीसब पावलके गढ़के भितर लजाइत खिना सेनापतीके गिरिक भसामे कहल्कै, “यदी अहाँ आग्या देबै त कुछ बात राखु।” सेनापती कहल्कै,
हम जानैले चाहैचियै कि उसब कोन आरोपमे अकरा दोस लगारहलछै, तहैलेल हम ओइसबके महासभामे अकरा हाजिर करेलियै।
हम बेर-बेर यातरा करैबखत लदिसबके, समुन्दरके, सहरके, उजार जगहके आ डाकुसबसे, आपने जाइतके लोकसबसे, आनजातके लोकसबसे, झुठा सिक्छकसबसे आबैबला खतरामे परलियै।
महज सेनापती लुसियस आइबके अकरा जबरजस्ती हमरासबके हाथसे बचाके ल्यागेलै,