22 लोकसब पावलके यि बात “हम तोरा दुर-दुर गैर-यहुदीसबके बिचमे पठाइबौ, सुनते मातर” उसब जोर-जोरसे हल्ला करैत कहेलाग्लै, “दुनियासे अकर नाम निसान मेटा दहै। कथिलेत यि जिबित रहैके योग्यके नै छै।”
फेस्तस कहल्कै, “रजा अगरिपास आ उपस्थित भेल भलादमी लोकसब, अहाँसब यि लोकके देखैचियै कि, अकर बारेमे यरुसलेममे आ अतौ सब यहुदी जातीसब ‘आबसे यि लोक जिबित रहैके योग्यके नै चियै’ कैहके जोरसे हल्ला करैत माङ करने छेलै।
तबो तक लोकसब पावलके “ओकरा खतम कर।” कैहके हल्ला करैत पछा पछा गेलै।
तब उसब जोर-जोरसे कहेलाग्लै। “ओकरा मार! ओकरा मार! ओकरा कुरूसमे लटका!” पिलातस ओइसबके पुछल्कै, “कि हम साच्चे तोरासबके रजाके कुरूसमे लटकेबौ?” मुल पुजारीसब जबाब देल्कै, “कैसर छोइरके दोसर कोइ नै हमरासबके रजा छै।”
महज सब लोकसब हल्ला कैरके कहल्कै, “अकरा मारैये परतै! बरु हमरासबके खातिर बारब्बाके छोइरदियौ!”
गैर-यहुदीसबके मुक्तीके सन्देस सुनाइबला हमरासबके काममे उसब बाधा पुगेल्कै। एहेन कैरके उसब आपन पापके घरा भैरलेल्कै। आखिरमे परमेस्वरके करोध ओइसबके उपर परलै।