30 एह्या बातसे बजार भैर होहल्ला मैचगेलै आ लोकसब चारुदिसनसे दौरते एलै। उसब पावलके पकैरके मन्दिर भितरसे घिसयाइते बाहर निकालल्कै तब मन्दिरके केबार लग्यादेल्कै।
तहिलेल यहुदीसब हमरा मन्दिरमे पकैरके मारैले कोसिस करल्कै।
हम बेर-बेर यातरा करैबखत लदिसबके, समुन्दरके, सहरके, उजार जगहके आ डाकुसबसे, आपने जाइतके लोकसबसे, आनजातके लोकसबसे, झुठा सिक्छकसबसे आबैबला खतरामे परलियै।
तब पुरे सहरमे हुलदङा मच्लै आ उसब एकमत भ्याके पावलके सहकरमी माकेडोनिया बासि गायस आ अरिस्तारखसके पकैरके रङसालामे घिस्याइते ल्यागेलै।
सबकोइ उठलै आ येसुके ओइ ठामसे धक्का-धुक्कि दैत सहर बाहर निकालल्कै, जै पहारमे सहर बनाइने छेलै ओहैके पहारके टुप्पीमे लज्याके ओकरा खसाइले चाहल्कै।
जब येसु यरुसलेममे परबेस करल्कै, तब पुरे नगरमे हलचल मचे लाग्लै। लोकसब पुछे लाग्लै, “यि के चियै?”
जब हेरोद रजा यि बात सुनल्कै, तब उ बेचैन भेलै आ ओइसबसङे पुरे यरुसलेमो बेचैन भेलै।