24 ओकरासबके लाइबके अहुँ ओकरेसबसङे सुध हेबु आ ओकरासबके लागैबला खरच अहि भैर दियौ आ उसब आपन केस कटाबे। अहिनङ अहाँके बेबस्था मानैत देखके अहाँमे लग्याल दोस सब झुठे चियै से कैहके सबकोइ थाह पाबतै।
तब पावल उ चारुगोरेके लज्याके बिहान भेने आपनके सुध करल्कै, तकरबाद सुधहैबला दिन कहिया पुरा हेतै आ उ सबके लेल चरहाइले जाइबला भेटीके जानकारी दैले उ मन्दिरमे गेलै।
एह्या काम कैरते-कैरते उसब हमरा मन्दिरमे देखल्कै। तखैन हम सुध हैबला बिधी पुरा कैरलेने छेलियै। ओते कोनो किसिमके भिर-भार आ हो-हल्लो नै छेलै।
बहौत दिनतक पावल कोरिन्थके परभुमे बिस्बास करैबला बिस्बासीसब सङे रहलै। तकरबाद उ पिरिस्किला आ अकिलास सङे समुन्दरके रस्ता हैत सिरिया इलाका दिसन जाइले लाग्लै। कुछ समय पैहनिये कौबला करलाके कारन पावल किङकिरिया सहरमे पानी जहाद चरहैसे पैहने आपन केस कटाइल्कै।
जब हम यहुदीसबके बिचमे काम करैछेलियै तब खिरिस्टमे उसब बिस्बास करे कैहके हम यहुदी जखा भेलियै। तहिनङे मोसाके देल बेबस्थाके अधिनमे रहैबलासब खिरिस्टमे बिस्बास करे कैहके हम बेबस्थाके अधिनमे नै रहियोकेभी बेबस्थाके अधिनमे रहल जखा भेलियै।
जब पतरुस पहिने गैर-यहुदी बिस्बासीसबसङे बैठके खाइछेलै, जेसबके खतना नै भेल छेलै। महज पछा जब याकुबके पठेल्हा लोकसब एलै तब उ ओइसबसङे खाइले छोइरदेल्कै। कथिलेत खतनाबला लोकसबसे उ डर्याल छेलै।
तकरबाद यहुदीसबके निस्तार पाबैन लगच्या गेलछेलै आ गाम-गामसे बहुतो लोकसब पाबैनसे पहिने अपनाके सुध करैले यरुसलेममे गेलै।
ओहै बखत युहन्नाके चेलासब एकटा यहुदी सङे सुध हैके बारेमे बताबती करे लाग्लै।