13 महज पावल कहल्कै, “तुसब कथिले काइनके हमर मनके तोरैचिही? हम त यरुसलेममे बन्हाइले मातर नै, महज हम त परभुके लेल मरैयोले तैयार चियै।”
महज हम आपन जिबनके कोनो मोलके नै मानैचियै। अतबेहेक मातर चाहैचियै कि, परमेस्वर लोकसबके अनुगरह देने छै से सुसमाचार करैले हम अन्ततक दौरबरहा करी आ परभु येसुसे मिलल सेबाके काम पुरा करेसकी।
यदि तोरासबके बिस्बाससाथ करल सेबाके कामके खातिर हमरा लहु बहाबैले परतै तैयो हम खुसिसे बहेबौ आ तोरेसबसङे आनन्द मनाइबौ।
कथिलेत हम बलिके रुपमे अरपन हैले लागल चियौ। हमर जाइबला समय आइबगेलौ।
थुमाके लहुसे, ओकरासबके घोसना करल सत बचनसे आ जान तलिक दैले उसब तैयार भेलाके कारन अपनासबके भाइ-भैयासब ओकरा जितनेछै।
अखुन हम तोरासबके खातिर दुखो भोइगके खुसी चियौ कथिलेत खिरिस्टके देह अरथात मन्डलीके खातिर बाकी रहल दुख-कस्टसब हम आपन देहमे भोइगके पुरा करैचियौ।
कथिलेत हम जानैचियै, अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट हमरा साफ-साफ देखादेनेछै कि यि माइटके देह जल्दिए छोइरके जाइले परतै।
उसब एकदम कान्लै आ ओकरा पजियाके चुम्मा लेल्कै।
तब येसुके नाममे अपमान सहैके योग्य चियै कैहके खुसी मनाइत उसब महासभामे गमलिएलके बात मानैत निकैलके गेलै।
पिरथिबीके सब जातीसबके जाँचैले अइ सन्सारमे आबैबला दुख कस्टसे हम तोरा बचाइबौ, कथिलेकी तुसब बहुत बात सैहके हमर आग्यापालन करनेचिही।
जब तोहर चुबल लोरके याद आबैछौ, तब तोहरसे भेट करैले मन लागैछै ताकी तोहर सङे भेटके हम खुसी हेतियै।
हे हमर भाइ-भैयासब, तोरासबके कारन परभु येसु खिरिस्टमे हम गर्भसे यि कहैले सकैचियौ, कि हम दिन-दिने मिरतुके खतरामे परैचियै।
कथिलेकी हमर नामके खातिर ओकरा कतहेक दुख भोगे परतै, आब हम ओकरा देखाइबै।”
तोरासबके भेटैके ओकर एकदम इक्छाछै। उ बिमार परल बात तुसब सुनलासे उ एकदम चिन्ता कैररहलछै।