4 तब ओकरसाथमे बेरिया बासि पुरसके बेटा सोपातरोस, थेसलोनिकेसे अरिस्तारखस आ सिकन्दस, डरबीके गायस आ तिमोथी तब एसियाके तुखिकस आ तरोफिमस छेलै।
तब पुरे सहरमे हुलदङा मच्लै आ उसब एकमत भ्याके पावलके सहकरमी माकेडोनिया बासि गायस आ अरिस्तारखसके पकैरके रङसालामे घिस्याइते ल्यागेलै।
इरास्तस कोरिन्थेमे रैहगेलै। तरोफिमस बिमार भेलाके कारन हम ओकरा मिलेटसे सहरमे छोइर देलियै।
हमर पिरिय भाइ आ परभुके बिस्बास योग्य सेबक तुखिकस हमर सब हालखबर तोरासबके सुनाइतौ।
जब हम, अरतिमास या त तुखिकसके तोहरलग पठेबौ, तु हमरा जल्दीसे भेटैले निकोपोलिस सहरमे आबिहे। कथिलेकी जार मास हम ओतै बिताबैके इक्छा कैने चियै।
हम तुखिकसके एफिससमे पठाइनेचियै।
हमर पिरिय भाइ तुखिकस हमर सब खबर तोरासबके सुनाइतौ। ओहो आपनेसबसङे सेबा करैबला परभुके बिस्बासी सेबक चियै।
कथिलेत उसबके एफिसससे एल तरोफिमसके पावलेसङे बजारमे देखनेरहै आ पावले ओकरा मन्दिरमे आन्नेरहै से कैहके समझने रहै।
पावल डरबी सहर हैत लुस्तरा सहरमे पुग्लै। लुस्तरामे तिमोथी नामके परभुमे बिस्बास करैबला एकटा चेला रहै। उ बिस्बासी यहुदी जनिके बेटा रहै महज ओकर बाप गिरिक जातीके रहै।
महज यि बात पावल आ बरनाबास बुझ लेल्कै, तब तुरन्त लुकोनिया इलाकाके लुस्तरा आ डरबीके सहर दिसन भाइगके गेलै,
हमरे सङे जहलमे रहलहा अरिस्तारखस तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ। बरनाबासके नातामे परैबला मरकुस सेहो गोरलगी पठाइनेछौ। ओकर बारेमे पहिने हम तोरासबके कैहदेनेचियौ, उ एतौ त असलसे स्वागत करिहे।
हम मन्डलीके एल्डर युहन्नाके तरफसे, हमर पिरिय सङी गायसके यि चिठी लिखैचियै, जकरा हम साँचोके परेम करैचियै।
ओहिनङे कैरके हमरसङे काम करैबला मरकुस, अरिस्तारखस, डेमास आ लुका सेहो गोरलगी पठाइनेछौ।
हम आपन पिरिय बेटा तिमोथीके यि चिठी लिखैचियै। परमेस्वर पिता आ आपनसबके परभु येसु खिरिस्ट तोरा अनुगरह, किरपा आ सान्ती देबे।
हमरा मुक्ती दैबला परमेस्वर आ आसा दैबला येसु खिरिस्टके आग्या अनुसार नियुक्त भेल हम पावल, येसु खिरिस्टके परेरित यि चिठी
परभु येसुके इक्छा हेतै त हम जल्दिए तिमोथीके तोरासबलग पठाबैके आसा करैची, ताकी तोरासबके हाल-समाचार सुइनके हम्हु खुसी हैले सकी।
कथिलेकी सिलास, तिमोथी आ हम तोरासबके बिचमे परचार करल परमेस्वरके बेटा येसु खिरिस्टमे एके छनमे “हँ” आ एके छनमे “नै” बला बात नै छै, महज ओकरमे हरदम “हँ” मातरे छै।
हम पावल, परमेस्वरके इक्छासे खिरिस्ट येसुके परेरित हैकेलेल बोल्याल आ अपनासबके भाइ तिमोथीसे सेहो, कोरिन्थ सहरमे रहल परमेस्वरके मन्डलीके आ अखैया परदेसके चारुदिसन रहैबला खिरिस्टके पबितर जनसबके यि चिठी लिखैचियौ।
हमरा आ पुरे मन्डलीके आपन घरमे स्वागत करैबला गायस सेहो तोरासबके गोरलगी कहनेछौ। यि सहरके कोसाध्यक्छ इरास्तस आ अपनासबके भाइ क्वारटस सेहो तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ।
हमरसङे काम करैबला तिमोथी तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ। तहिनङ कैरके हमर यहुदी भाइसब लुकियस, यासोन आ सोसिपातरोस सेहो तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ।
हमसब एन्डरामिटेनोससे एसिया परदेसके समुन्दर काते-काते परैबला सहरसब हैत जाइबला जहादमे चहैरके यातरा सुरु करलियै। अरिस्तारखस नाम भेल्हा थेसलोनिके इलाकाके एक गोरे माकेडोनि हमरासबकेसङे सेहो छेलै।
पावल आ सिलास अम्फिपोलिस आ अपोल्लोनिया सहरके बाट हैत थेसलोनिके सहरमे एलै। ओते एकटा यहुदीसबके सभाघर छेलै।
महज जब ओते बिस्बासीसब ओकर कात-करौतमे जम्मा भेलै तब उ उइठके सहर दिसन गेलै। तकर बिहानके उ आ बरनाबास सङे निकैलके डरबी चैलगेलै।
हमसब त पारथीसब, मादीसब आ एलामीसब, मेसोपोटामियाके, यहुदियाके, कापाडोकियाके, पोन्टस आ एसियाके बासिसब चियै।
पबितर आत्मासे एसियाके परदेसमे बचन परचार करैले मनाही भेलाके कारन उसब फिरिगिया इलाका आ गलातियाके परदेससब हैतगेलै।
महज जब थेसलोनिकेमे भेल्हा यहुदीसब बेरियोमे पावल परमेस्वरके सुसमाचार परचार करैछै से बात सुनल्कै, तब उसब बेरियामे आइबके हो-हल्ला मचाबैले लाग्लै आ पावलके बिरोध करैले ओतेका लोकसबके उक्साइले लाग्लै।
एसिया परदेसमे देर हेतै से बिचार कैरके पावल एफिससमे नै जाइके निरनय करल्कै। कथिलेत उ सकभर पेन्तिकोस पाबैनके दिनमे यरुसलेममे पुगैले हतार छेलै।
जब उसब पुग्लै तब पावल ओइसबके कहल्कै, “तोरासबके थाहे छौ कि, जै दिनसे हम एसियामे एलियै तै दिनसे तोरासबके बिचमे कनङके आपन दिन काटने छेलियौ।