34 तोरासबके थाहे छौ कि, हम आपन हाथके मेहनतसे आपन आ सङे रहैबला सङिसबके जरुरत पुरा करलियै।
उसब पाल बनाइबला काम कैरके जिबीका चलाबैतरहै। पावल ओकरेसबकेसङे रहलै कथिलेत ओहो ओहैसब जखा पाल बनाइनला काम कैरके जिबीका चलाबैतरहै।
हमसब आपन हाथसे काम कैरके मेहनत करैचियै। जे हमरासबके सराप दैछै ओकरासबके हमसब आसिरबाद दैचियै आ सताबट आबैछै त हमसब सहैचियै।
भाइसब, हमरासबके कस्ट आ मेहनत तोरासबके थाहे छौ। तुसब परमेस्वरके सुसमाचार सुनाइबखत ककरो उपर भार नै परौक कैहके हमसब आपन खर्च-बर्च करैले दिन-रात खैटके काम करलियै।
तब पावल आपन दुइ सहकरमी, तिमोथी आ इरास्तसके उ माकेडोनियामे पठाइल्कै, महज आपने कुछदिन एसियेमे रहलै।
तब पुरे सहरमे हुलदङा मच्लै आ उसब एकमत भ्याके पावलके सहकरमी माकेडोनिया बासि गायस आ अरिस्तारखसके पकैरके रङसालामे घिस्याइते ल्यागेलै।
हम आपन सबकाम तोरासबके कैरके देखा देलियौ कि, तुहुसब अहिनङे मेहनत कैरके कमजोरसबके मदत कर आ परभु येसुके कहल बचन याद कर जे उ आपनेसे कहनेछै, ‘लेनाइ से देनाइ मे आसिस छै।’”
अते हमरसङे भेल सब लोकसब तोरा गोरलगी पठाइनेछौ। हमरासबके परेम करैबला ओते भेल खिरिस्टीयन भाइ-भैयासबके सेहो गोरलगी कैहदहै। परमेस्वरके अनुगरह तोरा आ औरो सब गोरासङे रहे।