23 महज हम अतबे जानैचियै, कि हरेक सहरमे कैद आ सताबट भोगे परतै से बात हमरा पबितर आत्मा गबाही देने छै।
कथिलेकी हमर नामके खातिर ओकरा कतहेक दुख भोगे परतै, आब हम ओकरा देखाइबै।”
ताकि कोइ दुख भेल बखतमे कोइ हतास नै हो कैहके हमरासबके इक्छाछै। सताबट त अपना बिस्बासीसबके जिबनमे अबस्य आबैछै से बात तोरासबके थाहे छौ।
हमसब ओते बिस्बासीसबके भेटलियै आ ओकरासबसङे सात दिनतक ओतै रहलियै। पबितर आत्माके अगुवाइ पाइबके उसब पावलके यरुसलेममे नै जाइले बिन्ती करल्कै।
सेनापती पावलके पकरल्कै आ दुइटा घुरीसे बान्हैले लगाइल्कै आ लोकसबके पुछल्कै, “यि लोक कथी करल्कै? यि लोक के चियै?”
उ हमरासबके लग आइबके पावलके डारमे बान्हल गम्छा ल्याके आपन हाथ आ टाङ बान्हके कहल्कै, “पबितर आत्मा अनङ कहैछै, जकर यि गम्छा चियै, तकरा अहिना यरुसलेममे यहुदीसब बान्हतै आ आनजातके हाथमे सोइप देतै।”
उसब ओइठाम परभुके बिस्बासीसबके हिम्मत बरहाइत ओइसबके बिस्बासमे अस्थिर रहैले हौसला दैत रहलै आ कहैत रहलै, “परमेस्वरके राजमे पुगैसे पैहने अपनासबके बहौत दुख सहे परत।”
यदी हमसब ओकरसङे दुख भोग्बै त, हमरौरके ओकरेसङे राज करबै। हमसब ओकरा इन्कार करबै त, ओहो हमरौरके इन्कार करतै।
तहै बखत पबितर आत्मा फिलिपके कहल्कै, “अगा बैढके ओइ रथके सङे-सङे जो।”
“हम तोरासबके यि बात अहै खातिर कहनेचियौ, कि हमरमे रैहके तोरासबके सान्ती हेबे। सन्सारमे तोरासबके सङकट हेतौ, महज साहस कर, हम सन्सारके जितलेने चियै।”
कथिलेत हम पाँच भैयारी चियै, उ ज्याके ओइसबके चेताबे नै त ओहोसब हमरे जखा एहिनङ दुखे दुख भेल जगहमे चैलएतै।’
सिलास आ तिमोथी माकेडोनियाके इलाकासे एलाकेबाद पावल आपन पुरा समय सुसमाचार सुनाबैमे लाग्यादेल्कै। उ यहुदीसबके समझाइत रहलै, “येसुवे मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियौ।”
हम यहुदीसब आ गिरिकसब पस्चाताप कैरके परमेस्वर दिसन घुमे आ अपनासबके परभु येसु खिरिस्टमे बिस्बास करे से बातके चेताइने चियै।
महज हम आपन जिबनके कोनो मोलके नै मानैचियै। अतबेहेक मातर चाहैचियै कि, परमेस्वर लोकसबके अनुगरह देने छै से सुसमाचार करैले हम अन्ततक दौरबरहा करी आ परभु येसुसे मिलल सेबाके काम पुरा करेसकी।
पबितर आत्मा साफ-साफ कहैछै कि अन्तके दिनसबमे अहिनङो लोकसब हेतै जेसब बिस्बाससे पछा हटतै। उसब छल करैबला आत्माके आ भुतसबके देल सिक्छा मान्तै।