47 आ परमेस्वरके परसन्सा करैक। औरो लोकसबसेहो ओकरासबके असल नजैरसे देखैक। तब उदार पाबैबलासबके समुहमे दिन-दिने परभु बिस्बासीसबके संख्या थैप दैछेलै।
अहिनङे मन्डलीके लोकसब बिस्बासमे मजगुत हैतगेलै आ दिन-दिने बिस्बास करैबला लोकसब बरहैत गेलै।
बिनास हैबला लोकसब कुरूसके समादके मुरुख बात ठानैछै, महज हमसब मुक्ती पाबैबलासबके लेल यि परमेस्वरके सक्ती चियै।
तब जे-जे ओकर बातमे बिस्बास करल्कै, सेसब बप्तिस्मा लेल्कै आ ओहै दिन करिब तिन हजार लोक बिस्बासीसबके समुहमे थपेलै।
कथिलेत यि परतिग्या तोरासबके खातिर, तोरासबके धियापुताके खातिर आ दुर-दुरमे रहैबला सबके खातिर चियै, जकरा सबके परभु परमेस्वर बोलाइछै।”
जे एहेन किसिमसे खिरिस्टके सेबा करैछै, उ परमेस्वरके खुस करैछै आ लोकसबसे आदर पाबैछै।
कथिलेत उ असल, पबितर आत्मा आ परमेस्वरके बिस्बासमे भरपुर भेल लोक रहै। तब बहौत लोकसब अकरे कामसे उत्साहित भ्याके बहौत लोकसब परभु येसुके बिस्बास करल्कै।
जब गैर-यहुदीसब यि बात सुनल्कै, तब उसब खुसी भेलै आ परमेस्वरके बचनके गुनगान करल्कै आ अनन्त जिबनके खातिर नियुक्त भेल्हा सबलोक बिस्बास करल्कै।
यसैया नामके दोसर अगमबक्ता इजराएलीसबके बारेमे एहेन कहल्कै, “इजराएलीसबके बेटा-बेटीसबके संख्या समुन्दरके बालु जखा बहुत हेतै तैयो बाकी रहल कमे लोकसब मातरे बच्याल जेतै।
जकरा जकरा परमेस्वर पहिनेसे चुनल्कै, उ ओकरासबके बोलेबो करल्कै। जकरा बोलेल्कै ओकरासबके आपन नजरमे धरमी ठहरेल्कै। जकरा जकरा धरमी ठहरेल्कै, ओकरासबके आपन महिमामे सहभागी सेहो करेल्कै।
तब येसु ग्यान-बुइधमे, कदमे, परमेस्वर आ मानबके अनुगरहमे बैढ्ते-बैढ्ते गेलै।
ओइसबसङे सजाय दैके कोनो उपाय नै भेलासे डर-धम्की द्याके छोइरदेल्कै, कथिलेत जे घटना घटल छेलै ओइ घटनाके खातिर सब लोकसब परमेस्वरके परसन्सा करैतरहै।
उ परेरितसब बहुत सक्तीसे परभु येसु मरके जिबित भ्याके उठलै तै बातके गबाही दैछेलै आ उसब सबके सङे परमेस्वरके बहुत बरका अनुगरह छेलै।
तैयो ओइसबके ओकरा मारैके कोनो उपाय नै भेटलै, कथिलेत सब लोकसब ओकर बात खुसिसाथ सुनैछेलै।
महज बचन सुनैबला बहौत लोकसब बिस्बास करल्कै आ बिस्बास करैबला मरद-पुरुख बैढके पाँच हजार भेलै।
जब बिस्बासीसबके संख्या बरहै छेलै, तब हिबरुसबके बिरोधमे गिरिक यहुदीसब बताबती करे लाग्लै, कथिलेत दिन-दिने खाइबला चिजसब बाँटै बखत ओइसबके बिधवासब आबसेक्ता बमौजी नै पाबैछेलै।
अहिनङ परमेस्वरके बचन पसरैत गेलै। यरुसलेममे बिस्बासीसबके संख्या बरहैत गेलै। पुजारीसब मेसे बहुत गोरे बचनके सुइकार कैरके परभुमे बिस्बास करल्कै।
तकरबाद सारा यहुदिया, गालिल आ सामरियाके मन्डलीसबमे सताबटसे सान्ती भेलै। परभुके डर मानैत बिस्बासमे मजगुत भेलै। परमेस्वरके पबितर आत्माके जोस पाइबके मन्डलीसब बरहैत गेलै।
लुड्डा आ सारोनमे रहैबला सबलोक ओकरा देखके परभु येसुमे बिस्बास कैरके ओकर देख्याल रस्तामे चलेलाग्लै।
परभुके सक्ती ओइसबसङे छेलै आ बहौत लोकसब परभुमे बिस्बास कैरके ओकर देख्याल रस्तामे चलेलाग्लै।
एन्टिओखिया सहरमे भेल घटना जखा आइकोनियन सहरमे सेहो भेलै। पावल आ बरनाबास यहुदीसबके सभाघरमे ढुइकके एहेन उपदेस देल्कै, कि ओतेका बहुतो यहुदी आ गिरिक लोकसब परभु येसु खिरिस्टमे बिस्बास करल्कै।
बरनाबास आ पावल डरबी सहरमे परचार कैरके बहौतके परभु येसुके चेला बनाइल्कै। तकरबाद उसब लुस्तरा, आइकोनियन आ पिसिदिया इलाकाके एन्टिओखियामे घुइमके एलै।
अहै कारन बहौत यहुदी लोकसब परभुमे बिस्बास करल्कै। तैहनङे बहौत नाम चलल असल गिरिक जनी आ मरदसब समेत परभुमे बिस्बास करल्कै।