43 परेरितसब अचमके काम करैत बहौत चेन्हासब देखेल्कै तब सब लोकसबके हिरदयमे डर उतपन भेलै।
“साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, हमरमे बिस्बास करैबला सेहो यि कामसब करे सक्तै जे कामसब हम करैचियै आ ओहौसे पैध कामसब करतै कथिलेत हम पितालग जाइचियै।
तकरबाद गेरासेनस राजके अगल-बगल गामके लोकसब अतेसे चैलजाउ कैहके बिन्ती करल्कै। कथिलेत उसब एकदम डर्यालछेलै। तब येसु नाहमे चहैरके जाइले लाग्लै।
तब सबकोइ डेरागेलै आ परमेस्वरके परसन्सा करैत कहल्कै, “अपनासबके बिचमे एकटा बहुत बरका अगमबक्ता एलछै। परमेस्वर आपन लोकसबके बचाइले एलछै।”
तब बिस्बास करैबलासब यि काम करतै- उसब हमर नाममे भुतसब भगाइतै, आन भसासब बोल्तै,
तकरबाद पतरुस सबलोकके घरसे बाहर निकालल्कै आ ठेङहुनिया द्याके परथना करल्कै। तब लहास दिसन घुइमके कहल्कै, “तबिता, उठ!” तब उ आँख उघारल्कै त सामनेमे पतरुसके देखके उइठके बैठलै।
उ परेरितसब बहुत सक्तीसे परभु येसु मरके जिबित भ्याके उठलै तै बातके गबाही दैछेलै आ उसब सबके सङे परमेस्वरके बहुत बरका अनुगरह छेलै।
पतरुस ओकरा कहल्कै, “ऐ एनियास, येसु खिरिस्ट तोरा निक करतौ। उठ आ तोहर बिछान मिला।” तब उ तुरन्ते उइठके ठार भेलै।
“इजराएलके लोकसब, यि बात सुन, नासरतके येसु एहेन लोक छेलै, जकरा परमेस्वर सक्तिसाली कामसब, अच्चमके कामसब आ चेन्हासबसे तोरौरके अगा साबित करल्कौ। तोरौरके थाहे छौ कि परमेस्वर तोरासबके बिचमे यि सब कामसब ओकरसे कराइने छै।
यि बात सुइनके हननिया भुइयामे खस्लै आ मैरगेलै। यि बात सुनैबला सबकोइके मनमे डर ढुइक गेलै।