29 तब पुरे सहरमे हुलदङा मच्लै आ उसब एकमत भ्याके पावलके सहकरमी माकेडोनिया बासि गायस आ अरिस्तारखसके पकैरके रङसालामे घिस्याइते ल्यागेलै।
तब ओकरसाथमे बेरिया बासि पुरसके बेटा सोपातरोस, थेसलोनिकेसे अरिस्तारखस आ सिकन्दस, डरबीके गायस आ तिमोथी तब एसियाके तुखिकस आ तरोफिमस छेलै।
ओहिनङे कैरके हमरसङे काम करैबला मरकुस, अरिस्तारखस, डेमास आ लुका सेहो गोरलगी पठाइनेछौ।
हमरे सङे जहलमे रहलहा अरिस्तारखस तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ। बरनाबासके नातामे परैबला मरकुस सेहो गोरलगी पठाइनेछौ। ओकर बारेमे पहिने हम तोरासबके कैहदेनेचियौ, उ एतौ त असलसे स्वागत करिहे।
हमसब एन्डरामिटेनोससे एसिया परदेसके समुन्दर काते-काते परैबला सहरसब हैत जाइबला जहादमे चहैरके यातरा सुरु करलियै। अरिस्तारखस नाम भेल्हा थेसलोनिके इलाकाके एक गोरे माकेडोनि हमरासबकेसङे सेहो छेलै।
कथिलेत हमरा एहेन लागैए कि परमेस्वर हम परेरितसबके मिरतुदन्ड पाबैबला कैदीसब जखा बिजय जुलुसके सबसे पछा राखनेछै। हमसब सन्सार, स्वरगदुतसब आ लोकसबके अगा तमसा बैनगेल चियै।
हम परमेस्वरके धन्यबाद दैचियै कि, तोरासबमेसे किरिस्पस आ गायसके अलाबा हम औरो ककरो बप्तिस्मा नै देलियै।
हमरा आ पुरे मन्डलीके आपन घरमे स्वागत करैबला गायस सेहो तोरासबके गोरलगी कहनेछौ। यि सहरके कोसाध्यक्छ इरास्तस आ अपनासबके भाइ क्वारटस सेहो तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ।
एह्या बातसे बजार भैर होहल्ला मैचगेलै आ लोकसब चारुदिसनसे दौरते एलै। उसब पावलके पकैरके मन्दिर भितरसे घिसयाइते बाहर निकालल्कै तब मन्दिरके केबार लग्यादेल्कै।
तब पावल आपन दुइ सहकरमी, तिमोथी आ इरास्तसके उ माकेडोनियामे पठाइल्कै, महज आपने कुछदिन एसियेमे रहलै।
अतबे नै, अकरा जम्मा करल पैसा पुगाबैबला काममे हमरासबसङे जाइले मन्डलीसे छान्नेछै। यि काम हमसब परभुके महिमाके लेल आ हमरासबमे लोकसबके मदत करैबला मन छै से देखाइले करनेचियै।
“तु गिरिकियो भसा जानैचिही? कि तुही चिही नै बिदरोह करैबला चार हजार हतियाराके मिसरी नेता?”
तोरासबके थाहे छौ कि, हम आपन हाथके मेहनतसे आपन आ सङे रहैबला सङिसबके जरुरत पुरा करलियै।
एम्हर रंगसला भिरत एतहेक नै होहल्ला हैतरहै कि कोइ कुछ कहैक त कोइ कुछ। महज बहुतो लोकसबके कथिले हमसब जम्मा भेलचियै सेहो नै थाह छेलै।
यि बात जब सहरके हाकिमसब आ लोकसब सुनल्कै तब उसब घबरा गेलै।
ओहै रात पावल एकटा दरसन देखल्कै। जैमे माकेडोनिया इलाकाके एकटा लोक “दया कैरके माकेडोनिया आबु आ हमरौरके सहायता करु” कैहके बिन्ती करैतरहै।
सलामिस सहरमे पुग्लाके बाद उसब ओते यहुदीसबके सभाघरमे परमेस्वरके बचन सुनाबे लाग्लै। यि काममे सहयोग करैले मरकुस कहाइबला युहन्ना ओकरौरके सङे रहै।
ओतेसे फिलिप्पीमे एलियै, जे माकेडोनियाके परमुख सहर आ रोमके अधिनमे छेलै। कुछदिन हमसब ओतै रहलियै।
तकरबाद पावल पबितर आत्माके अगुवाइमे माकेडोनिया आ अखैया इलाका हैत यरुसलेम जाइके निरनय करल्कै। उ कहल्कै, “ओते पुग्लाकेबाद हमरा रोम सहरमे जाइए परतै।”
हम मन्डलीके एल्डर युहन्नाके तरफसे, हमर पिरिय सङी गायसके यि चिठी लिखैचियै, जकरा हम साँचोके परेम करैचियै।