23 ओहै बखत “परभुके बाटके” बारेमे परचार भेलासे हुलदङा मच्लै।
महज फेलिक्सके परभुके उ रस्ताके बारेमे निकसे जानकारी भेलाके कारन उ एहेन कैहके उसबके पठादेल्कै, “जबतक सेनापती लुसियस नै एतौ ताबेतक यि मुदाके फैसला नै हेतौ।”
महज जब कोइ-कोइ थेथर भ्याके बिस्बास नै करल्कै आ लोकसबके सामने परभुके बाटमे चलैबलासबके बिरोध करे लाग्लै। तैल्याके पावल सभाघर छोइरके चैलगेलै आ कुछ बिस्बासीसबके साथमे ल्याके टुरान्नस नामके सिक्छा दैबला घरमे सबदिन बात-चित करे लाग्लै।
आ उ दमस्कसके सभाघरसबके नाममे पुरजी माङल्कै, चाहे उ मरद हेबे या जनि, परभुके बाटमे चलैबला ओइसबके पकैरके यरुसलेम आने सकि कैहके अधिकार माङल्कै।
हमरासबके निकसे चिन्हीयोके अनचिन्हार जखा करैछै। मरे लागल चियै तैयो जियल चियै। सजाय पाबनेचियै तैयो मारलगेल नै चियै।
हँ, हम सुइकार करैचियौ कि, परभुके रस्तामे हम चलैचियै, जकरा उसब झुठा पन्थ कहैछै। हम आपन पुरखासबके परमेस्वरके आराधना करैचियै आ मोसाके देल बेबस्था आ अगमबक्ताके किताबमे लिखल बमौजी सब बातमे बिस्बास करैचियै।
परभुके बाटमे लागल लोकसबके सताइत-सताइत जानसे माइर दैछेलियै। हम्ही मरद आ जनी सबके पकैर-पकैरके ढोकैले लगाइ छेलियै।
उ यहुदीसबके सभाघरमे निरधकसाथ सुसमाचार सुनाबे लाग्लै। ओकर सुसमाचार सुइनके पिरिस्किला आ अकिलास ओकरा आपन घरमे ल्यागेलै। ओते उसब परमेस्वरके मुक्तीके उपायके असलसे बखान कैरके बुझ्हा देल्कै।
हमसब पिटाइ खेने चियै, जहलमे परल चियै, हुलदङ्गामे परलचियै। एकदमसे मेहनत करैचियै, सुतैयोले नै पाबनेचियै आ भुखे पियासेमे परल चियै।
हम बेर-बेर यातरा करैबखत लदिसबके, समुन्दरके, सहरके, उजार जगहके आ डाकुसबसे, आपने जाइतके लोकसबसे, आनजातके लोकसबसे, झुठा सिक्छकसबसे आबैबला खतरामे परलियै।