21 तकरबाद पावल पबितर आत्माके अगुवाइमे माकेडोनिया आ अखैया इलाका हैत यरुसलेम जाइके निरनय करल्कै। उ कहल्कै, “ओते पुग्लाकेबाद हमरा रोम सहरमे जाइए परतै।”
“आब हम पबितर आत्माके आग्या अनुसार यरुसलेम ज्यारहल चियौ। ओते हमरा कथि-कथी हेतै, से हम नै जानैचियौ।
एसिया परदेसमे देर हेतै से बिचार कैरके पावल एफिससमे नै जाइके निरनय करल्कै। कथिलेत उ सकभर पेन्तिकोस पाबैनके दिनमे यरुसलेममे पुगैले हतार छेलै।
ओहै रात परभु पावलके लगमे खरा भ्याके कहल्कै, “पावल, साहस कर! कथिलेत जहिना यरुसलेममे हमर बारेमे गबाही देने छेल्ही तहिना तोरा रोममे सेहो गबाही दैले परतौ।”
हे हमर भाइ-भैयासब, तोरासबके यि थाह हेबे कैहके हम चाहैचियौ कि, तोरासबके लग बहुतो बेर आबैले चाहलियै, महज कोनो न कोनो कारनबस अखुनतक आबैले नै सकल चियै। हम औरो ठामके गैर-यहुदीसबके खिरिस्टमे बौकार बन्याल जखा तोरोसबके बौकार बनाइले खुब इक्छाछै।
ओइसबसे बिदा लैत पावल कहल्कै, “यदी परमेस्वरके इक्छा हेतै त हम फेनो अहाँ सब लग एबै।” तकरबाद उ एफिसससे पानी जहाद चहैरके चैलगेलै।
तकर परिनाम यि भेलै कि तुसब माकेडोनिया आ अखैया परदेसमे भेल सब बिस्बासीके लेल एक नमुना बैन गेलचिही।
चौद बरिसके बाद हम बरनाबाससङे तितसके ल्याके फेनो यरुसलेम गेलियै।
हम माकेडोनिया परदेसके यातरा करलाके बाद तोरासबलग भेटघाट करैले एबौ, कथिलेकी पहिने माकेडोनिया जाइके हमर योजनाछै।
ओहैसे तुसब रोम सहरमे भेल लोकसबके सेहो सुसमाचार परचार करैके हमरा खुब इक्छाछै।
जब हमसब रोममे ढुकलियै, तब पावलके एक गोरा सिपाहीके रेखदेखमे असगरे रहैके अनुमति भेटलै।
‘हे पावल, नै डेरा! तोरा कैसरके अगा ज्याके ठार हैये परतौ आ परमेस्वर तोरा दया करलाके कारन तोहर सङे जहादमे चरलहा सबके परान परमेस्वर बचाइने छौ।’
जब हमसब पानी जहादसे इटालिया देस जाइले निरनय भेलै तब उबस पावलके औरो कैदीसबसङे समराट अगस्तसके सेनाके कप्तान युलियसके जिमा लग्यादेल्कै।
जब यरुसलेममे पुगलियै त ओतेका बिस्बासीसब बहौत खुसिसाथ हमरासबके स्वागत-सत्कार करल्कै।
हमसब ओते बिस्बासीसबके भेटलियै आ ओकरासबसङे सात दिनतक ओतै रहलियै। पबितर आत्माके अगुवाइ पाइबके उसब पावलके यरुसलेममे नै जाइले बिन्ती करल्कै।
जब अखैया इलाकाके गलियोन नामके लोक बडा-हाकिम रहै बखत यहुदीसब एकमत भ्याके पावलके बिरोध करैत ओकरा पकैरके बडा-हाकिम लग लज्याके कहल्कै,
ओतेसे फिलिप्पीमे एलियै, जे माकेडोनियाके परमुख सहर आ रोमके अधिनमे छेलै। कुछदिन हमसब ओतै रहलियै।
तब पावल आपन दुइ सहकरमी, तिमोथी आ इरास्तसके उ माकेडोनियामे पठाइल्कै, महज आपने कुछदिन एसियेमे रहलै।
तब पुरे सहरमे हुलदङा मच्लै आ उसब एकमत भ्याके पावलके सहकरमी माकेडोनिया बासि गायस आ अरिस्तारखसके पकैरके रङसालामे घिस्याइते ल्यागेलै।
पबितर आत्मासे मिलल आसिस तोरासबसङे बाइटके बिस्बासमे बलगर बनाइले सकी कैहके तोरासबसे भेटैके खुब इक्छाछै।
महज परभुके इक्छा हेतै त, हम तोरासबलग जल्दीए एबौ। उ घमन्डी लोकसबके बात मातरे नै महज उसबके सक्ती केहैन छै से पता लगाइबै।
तब हमसब तोरासबसे दुर-दुरके ठामसबमे सेहो सुसमाचार परचार करैले सक्बै, कथिलेत दोसरके काम करल ठाममे ज्याके हमसब काम करनेचियै कैहके घमन्ड करैले नै चाहैचियै।