2 उ ओकरासबके पुछल्कै, “कि तुसब परभुमे बिस्बास कैरके पबितर आत्मा पाबलिही?” तब उसब कहल्कै, “नै, हमसब त सुनन्हु नै चियै कि पबितर आत्मा हैछै।”
परमेस्वर तोरासबके पबितर आत्मा देल्कौ आ तोरासबके बिचमे अजगुतके कामसब करल्कौ। कि तुसब बेबस्था पालन कैरके भेलौ? ओनङ त नै महज सुसमाचार सुइनके बिस्बास करलासे भेलौ।
तोरासबके देह पबितर आत्माके मन्दिर चियौ, जे पबितर आत्मा तुसब परमेस्वरसे पाबनेचिही आ उ तोरासबमे बास करैछौ, से बात तोरासबके थाह नै छौ? तुसब स्वयम आपने नै चिही।
येसु यि बात पबितर आत्माके बारेमे कहने छेलै, जे पबितर आत्मा ओकरमे बिस्बास करैबलासब पाबैले लागलछेलै। ओइ बखत तक परमेस्वर पबितर आत्माके नै पठेने छेलै, कथिलेत येसु आपन स्वरगके महिमामे घुइमके नै गेलछेलै।
यि बात सुइनके उसब परभु येसुके नाममे बप्तिस्मा लेल्कै।
पतरुस बाजते खिना बचन सुनैबला सबके उपर पबितर आत्मा एलै।
परमेस्वर कहैछै, ‘अन्तके दिनमे हमसब लोकसबके आपन आत्मा परसस्त कैरके देबै, तोहर बेटासब आ बेटीसब अगमबानी बोल्तौ आ तोरौरके जबानसब दरसन देख्तै आ बुढवासब सपना देख्तै।
पबितर आत्मासे मिलल आसिस तोरासबसङे बाइटके बिस्बासमे बलगर बनाइले सकी कैहके तोरासबसे भेटैके खुब इक्छाछै।