19 ओइसबमेसे बहुतो गोरे, जेसब जादु-मन्तर, टुनामुना करैछेलै, आपन-आपन किताबसब जम्मा कैरके आनल्कै आ सबके अगामे जरादेल्कै। जब ओकर मोल अनुमान करल्कै त पचास हजार चानीके टका बराबर भेलै।
महज उ जादुगर एलुमास (गिरिक भसामे एलुमासके अरथ जादुगर चियै) ओकरौरके बिरोध करल्कै आ सरगियस पौलुसके बिस्बास करैसे रोकैके कोसिस करल्कै।
जब उसब पुरे टपुके यातरा करैत पाफोस सहरमे पहुचलै, तब ओते उसब एकटा बारयेसु नामके यहुदी जादुगरके भेटलै। उ झुठ बाइजके आपनके परमेस्वरके अगमबक्ता चियौ कहैछेलै।
तुसब जहलमे परलहा लोकसबके दया देखाइलिही, आपन सम्पती लुटलगेलै तैयो खुसिसाथ सहन करलिही, कथिलेकी तुसब जानैछेल्ही, कि औरो उतम आ सबदिन रहैबला सम्पती आपनेसङे छै।
तै खातिर तोरासबमेसे जे हमर लेल आपनसङे भेल्हा सबचिज नै छोरतै त, हमर चेला बने नै सक्तै।”
फेनो येसु ओइसबके एकटा खिसा सुनाइत कहल्कै, “कोन एहेन जनिसब हेतै जकर दस चानीके टकामेसे एकटा हराजेतै त इजोत बाइरके जाबेतक नै भेटतै ताबेतक बरहनीसे बरहाइरके निकसे नै ताक्तै?
बहुतो बिस्बास करैबलासब एलै आ खुलस्त रुपमे आपन-आपन करल खराब कामसब सुइकार करल्कै।