16 तखुन्ते भुत आत्मा लाग्ल लोक उसबके उपर आकरमन करल्कै आ सबकोइके पटकल्कै आ उसब नङटे आ घाहिल भ्याके उ घरसे भाग्लै।
कथिलेत येसु भुत आत्माके ओइ लोकसे निक्लैके आग्या देने छेलै। ओकरा बहुत बेर भुत लागल छेलै। लोकसब बहुत बेर ओकर टाङ-हाथ घुरीसे खुट्टामे बान्हैछेलै महज ओइ घुरीके तोइर दैछेलै। तब भुत आत्मा ओकरा उजार जगह दिसरा ल्याजैछेलै।
तब उसब येसु लग एलै आ उसब बहुत भुत लागल लोकके मन निक भ्याके असल असल बस्तर लग्याके बैठल देखल्कै। यि देखके ओइसबके डर भ्यागेलै।
कथी भेलछै से देखैले लोकसब येसु लग एलै। जे लोकसे भुतसब निकलल छेलै। ओकरा जमा-जोरा लग्याके येसु लग बैठल देखल्कै। यि देखके लोकसब छक्के परलै।
तब उ खुरखुराके उठलै आ चले-फिरे लाग्लै। चलैत-फिरैत आ उछरैत-कुदैत उ परमेस्वरके इस्तुती करैत पतरुस आ युहन्ना सङे मन्दिरमे ढुक्लै।
महज एक दिन भुत आत्मा ओकरासबके कहल्कै, “हम येसुके चिन्हैचियै, पावलोके चिन्हैचियै, महज तुसब के चिही?”
यि बात एफिसस बासि, यहुदी आ गिरिक जातीके सबलोक सुनल्कै। तब उसबके डर भ्यागेलै आ परभु येसुके नामके परसन्सा भेलै।
ओइसबके स्वतन्तर कराबैके परतिग्या करैछै महज उसब आपने भरस्टताके दास चियै, कथिलेकी लोक जे चिजके बसमे पैर जाइछै, उसब ओहै चिजके दास बैन जाइछै।