7 तब पावल सभाघरसे निकललै आ तहियेसे यहुदीसबके सभाघरमे जाइले छोइरदेल्कै। ओहै सभाघरके कातमे परमेस्वरके भक्ति करैबला तितस युस्तस नामके लोकके घरमे गेलै।
ओते थिआटिरा सहरमे रहैबाली एकटा लिडिया नामके जनी रहै जे बैजनी रङके बस्तरके बेपार करैतरहै। उ परमेस्वरके मानैत रहै आ हमरासबके बात सुइन रहल छेलै। पावलके बात धियानसे सुनौक आ बिस्बास करौक कैहके परभु ओकर मनके देहरी खोइल देल्कै।
युस्तस कहाइबला येसु सेहो तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ। परमेस्वरके राज बरहाइले हमरसङे काम करैबला यहुदीमे एह्या तिन गोरा मातर चियै। बास्तममे यि सब हमरा बहौत साहस देनेछै।
ओइसबमेसे कतहेक यहुदीसब बिस्बास कैरके पावल आ सिलासके पछा लाग्लै। अहिनङे परमेस्वरके सेबा करैबला गिरिकसब आ नाम चलल जनी ओहोसब बिस्बास करल्कै।
जखुन पावल आ बरनाबास सभाघरसे बाहर निकलैत खिना आबैबला बिसरामके दिन यि बात सुन्या दैहे कैहके लोकसब ओइ दुनु गोराके बिन्ती करल्कै।
उसब जबाब देल्कै, “हमरासबके कप्तान करनेलियस पठाइनेछै। उ धरमी आ परमेस्वरके डर मानैबला लोक चियै। ओकरा यहुदियो जातीसब आदर करैछै। एकटा स्वरगदुतसे आदेस मिलल छै जे तोरा आपने घरमे बजाके तोहरसे उपदेस सुन्तौ।”
उ परमेस्वरके भक्त छेलै। उ आ ओकर परिबारके सब सदस परमेस्वरके डर मानैबला लोकसब रहै। उ गरिबसबके उदारचितसे दान करैछेलै आ परमेस्वरसङे लगातार परथना करैतरहै छेलै।
हमसब जानैचियै कि परमेस्वर पापीसबके बात नै सुनैछै, महज ओकर आराधना करैबला आ ओकर इक्छा अनुसार काम करैबलाके बात परमेस्वर सुनैछै।
सभा ओरेलाकेबाद बहौत यहुदी आ यहुदी धरम मानैबला लोकसब पावल आ बरनाबासके पछा लाग्लै। पावल आ बरनाबास ओइसबसे बात करैत परमेस्वरके किरपामे भरोसा राखने रह कैहके उत्साह देल्कै।
महज यहुदीसब परमेस्वरके भक्ति करैबला जनिसब आ सहरके नेतासबके समेत पावल आ बरनाबासके बिरोधमे चरह्या-बरह्याके ओइसबके ओइ इलाकासे भगा देल्कै।