23 कुछदिन तक ओतै रहलै। तकरबाद फेनो उ गलातिया आ फिरिगिया इलाकाके ठामसब हैत, सब ठाममे रहल परभुके बिस्बासीसबके बिस्बासमे बलगर बनाइत गेलै।
उसब ओइठाम परभुके बिस्बासीसबके हिम्मत बरहाइत ओइसबके बिस्बासमे अस्थिर रहैले हौसला दैत रहलै आ कहैत रहलै, “परमेस्वरके राजमे पुगैसे पैहने अपनासबके बहौत दुख सहे परत।”
पबितर आत्मासे एसियाके परदेसमे बचन परचार करैले मनाही भेलाके कारन उसब फिरिगिया इलाका आ गलातियाके परदेससब हैतगेलै।
उसब सिरिया आ किलिकिया परदेसमे घुइम-घुइमके ओतेका बिस्बासीसबके बिस्बासमे मजगुत बनाइत गेलै।
यहुदा आ सिलास ओहोसब परमेस्वरके तरफसे बोलैबला अगमबक्तासब रहै। उसब परभुमे बिस्बास करैबला भाइ-भैयारीसबके बिस्बासमे मजगुत करैत उत्साह देल्कै।
देख हमर भाइ-भैयासब, कोढिया लोकसबके चेताबनी दहै, हरेस खाल लोकसबके साहस दहै, कमजोर लोकसबके मदत कर आ सबगोरासे सैहके रह कहैके हमसब तोरासबके बिन्ती करैचियौ।
ओइ बखत हम बिमार छेलियौ त तोरासबके दिकत भेलछेलौ, तैयो तुसब हमरा छि-छि आ दुर-दुर नै करलिही। महज उन्टे तुसब त परमेस्वरके एकटा दुत आ खिरिस्टे जखा हमरा स्वागत करलिही।
यरुसलेममे रहल परमेस्वरके जनसबके लेल भेटी जम्मा करैके बिसयमे हम गलातियाके मन्डलीसबके जे कहने छेलियौ तहिनङे तुहुसब कर।
अहैलेल यि बातसबसे एक दोसरके उत्साह दैत रह।
आ तिमोथीके तोरासबलग पठेलियौ। उ हमरासबके भाइ आ परमेस्वरके सेबक चियै आ खिरिस्टके बारेमे सुसमाचार परचार करैछै। तोरासबके बिस्बासमे बलगर हैले आ हौसला दैकेलेल हमसब तोरासबलग ओकरा पठेलियौ।
हम आ हमरसङे भेल सब भाइ-भैयारीसबके तरफसे गलातिया परदेसके मन्डलीसबके यि चिठी लिखैचियौ।
जहलसे निकललाके बाद पावल आ सिलास लिडियाके घरमे गेलै। ओते उसब परभुमे बिस्बास करैबला भाइ-भैयारीसब सङे भेटघाट करल्कै आ साहस द्याके ओतेसे बिदाह भेलै।
तब स्वरगसे एकटा स्वरगदुत ओकरा सहयोग करैले ओकरलग देखाब देल्कै।
महज तोहर बिस्बास नै डगमगावे कैहके हम तोहर लेल परथना करनेचियौ आ फेनो तु हमर दिसन घुइमके एलाकेबाद तोहर भाइसबके अस्थिर करा।”
माननिय थियोफिलस सुरुवेसे होसियारीसाथ सब चिजसबके तलासी करनेचियै आ तोहर लेल बिबरन मिल्याके लिखैले हमरा निक लागल,
तब फिरिगिया, पामफिलिया, मिसर आ लिबिया देसके एकटा कुरेनी सहर नजदिकके कतहेक ठामसब आ रोमसे एल्हा यहुदी आ यहुदी धरम मानेबलासब दुनु छै,
जखुन अपोल्लोस कोरिन्थ सहरमे छेलै तखुन पावल एसिया इलाकाके बिच रस्ता हैत एफिसस सहरमे पुग्लै। ओते उ बिस्बासीके भेटलै।
हम यि बात पैहिनो कहनेचियौ आ अखुन्तो कहैचियौ, तोरौरके जे सुसमाचार सुइकार करनेचिही, ओइके उल्टा कोइ परचार करैछै त, उ लोक सरापित हेबे।