6 पबितर आत्मासे एसियाके परदेसमे बचन परचार करैले मनाही भेलाके कारन उसब फिरिगिया इलाका आ गलातियाके परदेससब हैतगेलै।
कुछदिन तक ओतै रहलै। तकरबाद फेनो उ गलातिया आ फिरिगिया इलाकाके ठामसब हैत, सब ठाममे रहल परभुके बिस्बासीसबके बिस्बासमे बलगर बनाइत गेलै।
हम आ हमरसङे भेल सब भाइ-भैयारीसबके तरफसे गलातिया परदेसके मन्डलीसबके यि चिठी लिखैचियौ।
माइसिया इलाकाके सिमानामे पुगलाके बाद उसब बेथिनिया इलाका दिसन जाइले बिचार करल्कै, महज येसुके आत्मा ओइसबके जाइले नै देल्कै।
कोनो सङका नै कैरके ओकरौरके सङे जाइले हमरा पबितर आत्माके अगुवाइ भेलै। यि छबो गोरा बिस्बासीसब सोहो हमरसङे गेल रहै आ हमरौरके सब गोरा करनेलियसके घरमे ढुक्लियै।
हम सिमोन पतरुस, येसु खिरिस्टके परेरितके तरफसे पोन्टस, गलातिया, कापाडोकिया, एसिया आ बिथिनिया परदेस भैर परदेसी भ्याके तितर-बितर भ्याके रहैबला परमेस्वरके छानल जनसबके यि चिठी लिखैचियै।
कथिलेत डेमास सन्सारके मोहमे फैसके हमरा छोइरदेल्कै आ थेसलोनिकेमे चैलगेलै। केरसेन्स गलातियामे आ तितस दलमातियामे गेलछै।
हे मुरुख गलातीके बिस्बासी लोकसब, तोरासबके के मोहनी लग्याके मोइह लेल्कौ? तोरेसबके आँखेके अगा येसु खिरिस्ट कुरूसमे टाङलगेल बात अस्पस्ट रुपसे कैहदेनेछेलौ।
दुइ बरिसतक अहिनङे चलैत रहलै आ एसिया परान्तके सब बासिसब, यहुदी आ गिरिक दुनु परभुके बचन सुनल्कै।
“तु जे देखैचिही, से एकटा किताबमे लिख आ सातो मन्डलीके अरथात एफिसस, इस्मुरना, परगामम, थिआटिरा, सारडिस, फिलाडेल्फिया आ लाउडिकियाके पठा।”
एसिया परदेसमे भेल सातटा मन्डलीसबके युहन्नाके गोरलगी, परमेस्वर जे छै, जे छेलै आ जे एतै आ ओकर सिंहासनके अगा रहैबला सातटा परमेस्वरके आत्मासे तोरासबके अनुगरह आ सान्ती मिले।
बिस्बास दुवारा अबराहम परमेस्वरके कहल मानल्कै आ जो कैहके कहल ठामदिसन गेलै, जे ठाम परमेस्वर ओकरा देबौ कैहके परतिग्या करने छेलै। कते जेबै कैहके ओकरा थाहे नै छेलै तैयो उ आपन देस छोइरके गेलै।
तोरासबके थाहे छौ कि, एसियामे रहैबला सबगोरे हमरा छोइरके चैलगेलै, तै मेसे फुगेलस आ हरमोगेनस सोहो चियै।
हे हमर भाइसब, एसिया परदेसमे हमरासबके भोगल दुखके बारेमे तोरोसबके थाह हेबे कैहके हमसब चाहैचियै। कथिलेकी हमसब सहे नै सकैबला अतहेक नै दुख पाबलियै कि हमसब बाच्बै कैहके कोनो आसा नै छेलै।
यरुसलेममे रहल परमेस्वरके जनसबके लेल भेटी जम्मा करैके बिसयमे हम गलातियाके मन्डलीसबके जे कहने छेलियौ तहिनङे तुहुसब कर।
यि सब एके पबितर आत्माके काम चियै। उ आपन इक्छा अनुसार सब कोइके अलग-अलग किसिमके बरदान दैछै।
तैल्याके तोरासबके आपनो आ आपन पुरे जेरके रेखदेख करैतरह। पबितर आत्मा तोरासबके ओइसबके चरबाहा बनाइनेछौ कि तोरासबके परमेस्वरके मन्डलीके रेखदेख कर, जकरा परमेस्वर आपन बेटाके लहुसे किन्नेछै।
एसिया परदेसमे देर हेतै से बिचार कैरके पावल एफिससमे नै जाइके निरनय करल्कै। कथिलेत उ सकभर पेन्तिकोस पाबैनके दिनमे यरुसलेममे पुगैले हतार छेलै।
तब ओकरसाथमे बेरिया बासि पुरसके बेटा सोपातरोस, थेसलोनिकेसे अरिस्तारखस आ सिकन्दस, डरबीके गायस आ तिमोथी तब एसियाके तुखिकस आ तरोफिमस छेलै।
जब पतरुस दरसन बुझहैके कोसिस करैतरहै तब पबितर आत्मा ओकरा कहल्कै, “देख, बाहर देहरीमे तोरा तिनटा लोक ताकैछौ।
उसब जे सुरुवेसे बचनके साकछात साक्छी आ सेबकसब छेलै, यि बात उसब हमरासबके कहल्कै।
महज कतहेक यहुदीसब जे “स्वतन्तर-दल” कहाइबला सभाघरसबके आ कुरेनी, अलेकजेन्डरिया, किलिकिया आ एसियाके लोकसब रहै, उसब स्तिफनसके बिरोधमे खरा भ्याके ओकरसङे बताबती करे लाग्लै।
तहै बखत पबितर आत्मा फिलिपके कहल्कै, “अगा बैढके ओइ रथके सङे-सङे जो।”
जब सतमा दिन पुरा हेबे लागल रहै। तब एसिया परदेससे एल कुछ यहुदीसब पावलके मन्दिरमे देखल्कै तखुन्ते उसब लोकसबके भिरके भरकाइल्कै आ पावलके पकरल्कै।
ओइसबके घरमे भेला हैबला बिस्बासीसबके हमर गोरलगी सुन्यादहै। हमर पिरिय सङी, इपेनितसके सेहो गोरलगी सुन्यादहै। उ एसिया परदेसमे सबसे पहिने खिरिस्टमे बिस्बास करैबला लोक चियै।
एसियाके मन्डलीसब तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ। अकिलास आ पिरिस्किला आ ओइसबके घरमे भेल बिस्बासीसब सेहो परभुमे तोरासबके हिरदयसे गोरलगी पठाइनेछौ।