30 तकरबाद उ ओइसबके बाहर लज्याके कहल्कै, “हे हौ मालिकसब, हमरा उदार पाबैले कथी करेपरतै?”
यि बात सुइनके उसब दुखी भेलै आ पछताबे लाग्लै, तब पतरुस आ औरो परेरितसबके उसब कहल्कै, “भाइसब, हमसब कथी करबै?”
हम कहलियै, ‘आब हम कथी करबै, परभु?’ परभु जबाब देल्कै, ‘उइठके दमस्कस सहरमे जो, ओतै तोरा परमेस्वरके खटेल्हा कामसबके बारेमे कहतौ।’
“यौ साथीसब, अहाँसब कथिले एहेन काम करैचियै? हम्हुसब त अहैसब जखा दुख-सुख भोगैबला लोकसब चियै आ अहाँसब यि मुरुतके पुजा-पाठ करैले छोइरके जिबित परमेस्वर जे अकास, पिरथिबी, समुन्दर आ ओइमे जे कुछो छै, ओइसबके बनाइनेछै तैमे बिस्बास करु कैहके सुसमाचार सुनाबैले एलचियै।
तब लोकसब युहन्नाके पुछल्कै, “तब हमरासबके कथी करेपरतै त?”
तुसब आपन आपन पाप माइनके पस्चाताप करनेचिही त, असल बेबहार कैरके देखा।
कथिलेकी जे लोक किरपा नै करैछै ओकर नियाय किरपे बिनाके हैछै। किरपा नियायके उपर बिजय हैछै।
एहेन आग्या पाइबके उसब जहलके भितरी कोठलीमे लगेलै आ ओकर टाङ खुटरिमे घुरीसे बाइन्ह देल्कै।
उ पावल आ हमरासबके पछा आइबके चिच्याबे लाग्लै, “यीसब सबसे महान परमेस्वरके सेबकसब चियै। यीसब, ‘कनङ तोरौरके उदार पाबबिही’ से बात तोरौरके कहतौ।”
महज आब तु उइठके सहरमे जो, ओते तोरा कथिकरे परतौ से कहलजेतौ।”
धैनके चियै दया करैबलासब, कथिलेत उसब दया पाबतै।