29 यि बात सुनैत मातर हाकिम इजोत मङ्याके दौरते भितर एलै आ डरसे थर-थर कापैत पावल आ सिलासके अगा ठेङहुनिया द्याके बैठलै।
देख, हमसब यहुदी चियै कैहके झुठा बोलैबला अतेछै। उसब सैतानके गुटके चियै। ओकरासबके हम तोहर गोर लागैले लगाइबै आ हम तोरा परेम करैचियौ कैहके उसब थाह पाबतै।
जब पावल धरमी भ्याके काम करे परतै, आपन मनके बसमे राखे परतै आ आबैबला नियाइके बारेमे बोल्लै तब फेलिक्स डेरेलै आ कहल्कै, “अखुन जो, मौका मिल्तौ त हम फेनो तोरा बोलाइबौ।”
जब ओइ छौरीके मालिकसब देखल्कै कि आब कमाइके रस्ता ओरागेलै तब उसब पावल आ सिलासके पकैरके घिसयाइते सहरके चौकमे सासकसबलग आनल्कै।
यि देखैत मातर पावल जोरसे कहल्कै, “ठहर, ठहर! तु आपने आपके कुछो नै कर, कथिलेत हमरौरके सबगोरा अतै चियौ।”