10 जब पावलके यि दरसन भेलै, तुरन्ते हमरौरके माकेडोनिया जाइले तैयार भेलियै। कथिलेत हमरौरके थाह भेलै कि ओतेका लोकसबके सुसमाचार परचार करैले परमेस्वर हमरौरके बोलाइनेछै।
आ उसब ओतै निरन्तर सुसमाचार परचार करैत रहलै।
जब हमसब पानी जहादसे इटालिया देस जाइले निरनय भेलै तब उबस पावलके औरो कैदीसबसङे समराट अगस्तसके सेनाके कप्तान युलियसके जिमा लग्यादेल्कै।
हे रजा, हम रस्तामे जाइत खिना दुपहरमे स्वरगसे एहेन इजोत देखलियै जे सुरुजोके इजोतसे तेज हम आ हमर सङिसबके चारुकातमे चमकलै।
अहै कारन अहाँ बोलाइत मातर कोनो आपती नै मानैत हम एलियौ। आब कह, तुसब हमरा कथिले बोलाइलिही?”
दमस्कसमे हननिया नामके एक गोरा येसुके बिस्बासी रहै। ओकरा दरसनमे परभु कहल्कै, “ऐ हननिया।” उ कहल्कै, “हम अतै चियै परभु।”
ओहै रात पावल एकटा दरसन देखल्कै। जैमे माकेडोनिया इलाकाके एकटा लोक “दया कैरके माकेडोनिया आबु आ हमरौरके सहायता करु” कैहके बिन्ती करैतरहै।