41 उसब सिरिया आ किलिकिया परदेसमे घुइम-घुइमके ओतेका बिस्बासीसबके बिस्बासमे मजगुत बनाइत गेलै।
उ चारु गोराके हाथे एहे चिठी पठाइल्कै: एन्टिओखिया, सिरिया आ किलिकियामे रहैबला, परभुमे बिस्बास करैबला औरो जातके साथीसङिसब, यि चिठी दुवारा हमरासबके परेरितसब आ धरमगुरुसबसे अभिबादन छै।
तकरबाद हम सिरिया आ किलिकिया परदेसमे गेलियै।
यहुदा आ सिलास ओहोसब परमेस्वरके तरफसे बोलैबला अगमबक्तासब रहै। उसब परभुमे बिस्बास करैबला भाइ-भैयारीसबके बिस्बासमे मजगुत करैत उत्साह देल्कै।
जाइते जाइते साइपरस देखा परलै आ ओकर दछिन कातसे सिरिया परदेस हैत हमसब टुरोस सहरमे एलियै। ओतै जहादसे मालसमान उतारल्कै आ हम्हुसब उतरलियै।
महज कतहेक यहुदीसब जे “स्वतन्तर-दल” कहाइबला सभाघरसबके आ कुरेनी, अलेकजेन्डरिया, किलिकिया आ एसियाके लोकसब रहै, उसब स्तिफनसके बिरोधमे खरा भ्याके ओकरसङे बताबती करे लाग्लै।
बहौत दिनतक पावल कोरिन्थके परभुमे बिस्बास करैबला बिस्बासीसब सङे रहलै। तकरबाद उ पिरिस्किला आ अकिलास सङे समुन्दरके रस्ता हैत सिरिया इलाका दिसन जाइले लाग्लै। कुछ समय पैहनिये कौबला करलाके कारन पावल किङकिरिया सहरमे पानी जहाद चरहैसे पैहने आपन केस कटाइल्कै।
अहिनङे ओकर कामके चरचा पुरे सिरिया परदेसमे फैलगेलै। हरेक परकारके रोग-बिमारसे सत्याल, भुत लागल, मिरगी लागल आ लकबा मारल लोकसबके येसु लग आनल्कै आ येसु ओइसबके निक करल्कै।