हम परदेसी छेलियै, तखुन तुसब हमरा आपन घरमे स्वागत नै करलिही। हम नङटे छेलियै, तखुन तुसब हमरा पिन्हैले बस्तर नै देल्ही। हम बिमार परल छेलियै, तखुन तुसब हमरा सेबा-सुसार नै करलिही। हम जहलमे छेलियै, तखुन तुसब भेटमुलकात करैले नै एल्ही।
मुख बात यह्या चियै कि तोरासबके चाल-चलन खिरिस्टके सुसमाचार अनुसार सोहाइबला हेबे। हम चाहे तोरासबके भेट-मुलकात करी, चाहे दुर रही तुसब एकेटा उदेस्य ल्याके अस्थिर चिही आ एकेटा मन भ्याके सुसमाचारके बिस्बासके लेल मेहनत कैररहल चिही कैहके हम सुनैले पाबी।