21 बरनाबास आ पावल डरबी सहरमे परचार कैरके बहौतके परभु येसुके चेला बनाइल्कै। तकरबाद उसब लुस्तरा, आइकोनियन आ पिसिदिया इलाकाके एन्टिओखियामे घुइमके एलै।
तकरबाद कुछ यहुदीसब एन्टिओखिया आ आइकोनियनसे ओते एलै आ लोकसबके आपन पक्छमे कैरके पावल उपर पथलबाही कराइल्कै। उ मरगेल हेतै कैहके ओकरा घिस्याइत लज्याके सहरसे बाहर फेकदेल्कै।
एन्टिओखिया सहरमे भेल घटना जखा आइकोनियन सहरमे सेहो भेलै। पावल आ बरनाबास यहुदीसबके सभाघरमे ढुइकके एहेन उपदेस देल्कै, कि ओतेका बहुतो यहुदी आ गिरिक लोकसब परभु येसु खिरिस्टमे बिस्बास करल्कै।
महज पावल आ बरनाबास आपन टाङके गरदा ओइसबके बिरोधमे झाइरके आइकोनियन सहर दिसन चैलगेलै।
हम एन्टिओखिया, आइकोनियन आ लुस्तरा सहरमे केहन-केहन दुख भोगे परलै, से बात तु निक जखा जानैचिही। महज परभु हमरा ओइ सब आफत-बिपतसबसे बचेल्कै।
महज यि बात पावल आ बरनाबास बुझ लेल्कै, तब तुरन्त लुकोनिया इलाकाके लुस्तरा आ डरबीके सहर दिसन भाइगके गेलै,
महज उसब परगासे निकैलके पिसिदियाके एन्टिओखिया सहरमे एलै। ओते उसब बिसराम दिनमे यहुदीसबके सभाघरमे ज्याके रहलै।
तहैलेल जो आ सब देसके लोकसबके चेला बना, पिता, पुतर आ पबितर आत्माके नाममे बप्तिस्मा दहै।
लुस्तरा आ आइकोनियाके बिस्बासीसबमे तिमोथीके असल लोकके रुपमे चिन्हैछेलै।
कुछ समय बितलाके बादमे पावल बरनाबासके कहल्कै, “आब अपनासब परमेस्वरके बचन परचार करलहा सहरसबमे फेनो चल आ ओतेका परभुमे बिस्बास करैबला सब भाइ-भैयारीसब केहन छै से जानकारी लेब।”
लुस्तरा सहरमे एकटा जलमेसे नेङर लोक रहै छेलै। उ कहियो नै चल-फिर करने रहै।
आ परमेस्वरके परसन्सा करैक। औरो लोकसबसेहो ओकरासबके असल नजैरसे देखैक। तब उदार पाबैबलासबके समुहमे दिन-दिने परभु बिस्बासीसबके संख्या थैप दैछेलै।
आ उसब ओतै निरन्तर सुसमाचार परचार करैत रहलै।
“यौ साथीसब, अहाँसब कथिले एहेन काम करैचियै? हम्हुसब त अहैसब जखा दुख-सुख भोगैबला लोकसब चियै आ अहाँसब यि मुरुतके पुजा-पाठ करैले छोइरके जिबित परमेस्वर जे अकास, पिरथिबी, समुन्दर आ ओइमे जे कुछो छै, ओइसबके बनाइनेछै तैमे बिस्बास करु कैहके सुसमाचार सुनाबैले एलचियै।
तब ओतेसे उसब पानी जहादमे चहैरके एन्टिओखिया सहरमे गेलै, जते परभुमे बिस्बास करैबला लोकसब बरनाबास आ पावलके परमेस्वरके किरपामे सौपके परचारके काममे पठाइने छेलै, से काम पुरा कैरके एलै।