17 तैयो उ आपन भलाइके असल कामसब दुवारा लोकसबके आपन बारेमे गबाही दैत रहलै। कथिलेत उ अकाससे पानी बरसाइछै आ ठिक समय पिरथिबीमे उब्जा दैछै। अहाँसबके भोजन जुटाबैछै आ अहाँसबके मन आनन्दित करैछै।”
अइ सन्सारमे धनिक भेल लोकसबके घमन्डी नै बन कैहके आग्या दहै। अनिस्चीत धन सम्पैतमे नै महज सब चिज परसस्तसे आपनसबके भोग करैले दैबला परमेस्वरमे भरोसा कर कैहके ओइसबके आग्या दहै।
“महज आपन सतरुसबके परेम कर आ ओकरासबके भलाइ कर तब कोइ फिरता करतौ तै आसमे पैंचा नै दहै। तैसे तोरासबके इनाम बरका हेतौ तब तुसब महान परमेस्वरके बेटाबेटी कहाइबिही। कथिलेत उ बेगुनिया आ स्वारथी लोकसबके परेम करैछै।
तब तुसब स्वरगमे रहैबला पिताके धियापुता हेब्ही। उ दुस्ट आ सज्जन दुनुके सुरुजके इजोत दैछै, तैहनङे धरमी आ पापी दुनु उपर पानी बरसाइछै।
यि सब बात कैहके उसब मुस्किलसे लोकसबके बैलभोग चरहाइले रोकल्कै।
ओह्या परमेस्वर जे एक गोरासे पुरे सन्सारमे लोकसब रहे कैहके सब जातीसबके सिरिस्टी करल्कै। ओइसबके औरदा आ रहैबला ठाम पैहनैयेसे तोइकदेने छै।