34 उ येसुके फेनो कहियो नै मरेपरतै तनङके जिएल्कै तै बातमे परमेस्वर अनङ कहनेछै- ‘पबितर आ अटल आसिसके बचन जे दाउदके देलगेल छेलै, से हम तोरासबमे पुरा करबौ।’
अपनासब जानैचियै कि, खिरिस्ट मरलसे जिबित भेलछै आ उ फेनसे कहियो नै मरतै। ओकरमे मिरतुके कोनो सक्ती किछो करैले नै सक्तै।
महज जकरा परमेस्वर मरलसे जियाइल्कै ओकर देह नै सड़लै।
महज ओकरा परमेस्वर मरनके दुखसे छुटकारा द्याके जिबित करल्कै। कथिलेत ओकरा मिरतुके अधिनमे रहनाइ असम्भब छेलै।
महज परमेस्वर येसुके मरलोके बाद फेनो जिबित करल्कै।
परमेस्वर येसुके मरलसे जियाके उ यि परतिग्या अपनासबके आ ओकरसबके धियापुताके खातिर पुरा करने छै। जनङ धरमसास्तरके भजनसङगरहके दोसर अध्यायमे लिखल छै, ‘तु हमर बेटा चिही, आइके दिन हम तोरा जलम देनेचियौ।’